सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड नं.७मे मधुमेह,थाइराइट रोगके निदान सेन्टर आइस’ सञ्चालनमे आएल छै ।
शुखरोग/मधुमेह डायभिटिज एवं थाइराइटके नीयमीत जाँच रेखदेख एवं सन्तुलीत आहार व्यायाम सैयमतास’ उल्लेखित रोग निक हेब सकैए ।
ताहि हेतु आधुनिक प्रविधि युक्त सिस्टमस’ उपचार व्यवस्थाके जनतब एवं उपायसभ साधारण शुल्कमे बताब लेल ‘‘ बुध्द्धा डाइभिटिज एवं थाइराइट केयर प्रा.लि.’’ नामक उपचार केन्द्र डा.बिजयकुमार साह सञ्चालनमे अनलाह ।
‘दू टा रोग जाहिस’ बर्तमानमे प्रायः लोक प्रभावित भरहल छै । ओकर मात्र उपचार, दबाई एवं रोग निदानके लेल अपनाओल जायबाला उपायसभ बताबके काज केयर सेन्टरमे चौबिसो घण्टा होएत’ !
बुध्द्धा डाइभिटिज, थाइराइट केयरके विधिवत् उदघाटन करैत डा.साह बतौलह । केयर सेन्टरमे ईएनटी(नाक-कान-घेंउट)के दक्ष चिकित्सकके सेहो जनकपुरधाममे अभाव खटकैत छल आब ओहो खटका टरल छै ।
केयरमे ईएनटीके डा.सुनिल सिंह सेहो उपचार हेतु उपलबद्ध रहताह सेहो जनतब भेटल ।
बुध्द्धा डाइभिटिज एवं थाइराइट केयर जनकपुरधाम वार्ड नतं.७मे खुजल ओ हमरो लेल गर्वके बात छै, जनकपुरधाम वार्ड नं.७ के वार्ड अध्यक्ष निरज साह मुन्ना कहलाह ।
जनकपुरक्षेत्रमे अपन सेवास’ लोक लाभान्वित होएत जाहिमे हमर वार्ड नं.७के नाम सेहो आएत तौ ई बहुत सुन्दर आ नीमन काज भेल छै ।
ओ धारना राखैत केयरके एवं डा.साहके सफल्ताके शुभकामना सेहो उद्घाटन कार्यक्रममे वार्डअध्यक्ष साह ब्यक्त कएलाह ।
प्रतिक्रिया