जनकपुरधाम । नेपालीक्रान्तिके सबल योद्धा महामानव बीशेश्वर प्रसाद कोइरालाके वार्ड स्तरपर सेहो पुण्यतिथि मनाओल गेल छै ।
जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड नं.२३मे वार्डअध्यक्ष राघबेन्द्रप्रसाद साहके अगुवाइमे महामानव बी.पी. कोइरालाकेँ ४२ सम् पुण्यतिथि सभ्य-भव्यरुपमे मनाओल गेल छै ।
पुण्य तिथिक अवसर पर शैक्षिक सामग्री, छात्र-छात्राकेँ पोशाक तथा महिलासभकेँ पोषणआहार समेत प्रदान कएलगेल ।
वार्ड नं.२३के बिन्धी गाम स्थित त्रिभुवन आदर्श माध्यमिक विद्यालय परिसरमे वार्डस्तरीय कार्यक्रम आयोजन कएलगेल छल ।
कार्यक्रममे विद्यालयमे अध्ययनरत् छात्र-छात्रासभकेँ पोशाक एवं पठन पाठन हेतु सहयोगी आवश्यक शैक्षिक सामग्री वार्ड अध्यक्ष साह मादे प्रदान कएलगेल ।
बीपी कोइरालाके बेयालिसम् पुण्यतिथि पर आयोजित ओहि कार्यक्रममे जनकपुरधाम वार्ड नं.२३के निवासी गर्भवर्ती महिलासभकेँ पोषणयुक्त आहार हेतु विभिन्न पोषण खाद्ययुक्त आहार सामग्री समेत वार्ड अध्यक्ष राबेन्द्र प्रसाद साह वितरण कएलाह ।
कार्यक्रममे प्रा.रमेशप्रसाद साह, समाजक जागरुक समाज सुधारक युवा केवलकुमार शर्मा, स्वास्थ्य केन्द्रके प्रमुख लक्ष्मण साह, विद्यालयके प्रधानाध्यापक देवेन्द्र यादव, सहित बीपीके अनुयायी सहभागीसभ समाज उत्थानमे वार्ड अध्यक्ष साहके भूमिका अतुलनीय रहल चर्चा करैत हुनक कार्यके सराहना कएलैथ ।
दलीत समुदायक अगुवा मुन्नीलाल महराके प्रमुख आतिथ्यमे एवं विद्यालय व्यवस्थापन समितिके अध्यक्ष समेत रहल वार्ड अध्यक्ष साहके सभापतित्वमे कार्यक्रम शनिदिन भेल छल ।
बीपीके मार्गदर्शनकर्ता मादे वार्डअध्यक्ष साह अपन पीता राजेश्वर नेपालीए जकां कर्मठ, जनसेवक आ दीनहीनके लेल सहयोगी रहल बात कार्यक्रमके प्रमुखअतिथि मुन्नी महरा अपन धारना राखैत ब्यक्त कएलैथ । विद्यालय परिसरमे बृक्षारोपन कार्य समेत कएलगेल छल ।
प्रतिक्रिया