बिषदारुस’ सिरहामे पाँचगोटे मरल

२०७७ भाद्र ९, मंगलवार ०३:४५
सीमाञ्चल समदिया

सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । माथ दुखाएब, ओकाइ/उल्टी होएब आ बेहोस भ’क’ खैस पड़ब आ मैर जाएब । सिरहा जिलामे एहन तरहक लक्ष्णस’ ग्रसित भेलहासब मादे ई समाचार लीखब धैर पाँचगोटे मैर चुकल छै ।

जनतब भेटल अनुसार सिरहा जिलाके सखुवानन्कारकट्टी गाउँ पालिका वार्ड नं.१ कटैया गाममे उल्लेखित लक्ष्णयुक्त ब्यक्ति ३८ बर्षके रामउदगार मुखिया, २८ बर्षके दीपेश मुखिया रइब दिन मैर गेल, स्थानीयद्वारा कहलगेल छै । शैनदिन रातिमे एकबजेके ओनपोनमे सेहो कटैया गाममे स्थानीय श्यामदेव यादवकेँ सेहो ओहिना मृत्यु भगेल ।

अहितरहें नवराजपुर गाउँ पालिका वार्ड नं.३के पूmलबरिया गाममे गत भादब ५ गते २७ वर्षक नागेन्द्र मल्लीकेँ मृत्यु भेल छल । ओहि गाममे बितल साओन-३२गते २५वर्षक उद्गार मल्ली सेहो मृत्युकेँ मूँहमे सन्हियागेल । एहो दूनु गोटे मदिरा सेवन क’ सुतल आ बाधमे माथ दुखाई कहैत ओकाइ-उल्टी कएलक एवं मूर्छित भ’क’ ओछाओन पर परल से परले रहिगेल छल ।

हिनक सबहक एक्कै रंग-ढङ्गकेँ लक्ष्णस’ मृत्यु भेला पर कोरोनो माहामारीस’ जतेक लोक नइ डेराएल छल ओइस’ बेसी अखनु स्थानीय लोक डेरागेल छै । अइस’ सिरहा जिलामे आठदिनके भितर पाँचगोटेकेँ मृत्यु भेल बात प्रष्टाइत छै । सरोकारबाला अइदिस सार्थक पहल करए !

घटना सम्बन्धमे सुगा नन्कारकट्टी गाउँपालिकाके स्वास्थ्य संयोजक हरिनारायण चौधरीकेँ नेतृत्वमे तीन सदस्यीय चिकित्सकीय समूह जाँच पड़ताल आ उपचार ब्यवस्थालेल घटनास्थलमे पुगल छै । ‘‘ मृतक तीनुगोटे घरेलु मदिरा सेवन करैत आएल एवं बिषाक्त मदिरा रहने तीनुकेँ माथ चक्राइत,उल्टी होइत मूर्छित भ’क’ खसैत मरल, एहने दाबी गौवाँसब करहल छै ! तथापि हमसभ जाँच पड़तालमे लागल छी !’’ स्वास्थ्य संयोजक चौधरी सञ्चारकर्मी सबकेँ जनतब देलाह ।

एक्कै तरहक लक्ष्णयुक्त अवस्थामे एकदिनमे तीनगोटे मरल छै । अत्याधिक मदिरा सेवनस’ मरल छै एहन सुनमे आएल छै सत्य की छै तकरा परेखब काजमे प्रहरी लागल छै, अनुसंधान कार्य भरल छै से जनतब ईप्रका लहानक डिएसपी शरद थापा पत्रकारसबकेँ बतौने छैथ ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
बीच सडक परफिल्मी शैलीमे डेंगैयां
२०७९ कार्तिक २८, सोमबार २२:४८
सीमाञ्चल समदिया
महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग
२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया
बलिप्रथा उन्मूलन पर जनकपुरधाममे बृहत् अन्तरकृया
२०७९ आश्विन १५, शनिबार १६:०४
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal.com
मिथिला चित्रकलाको विशेषता
२०७९ भाद्र ३०, बिहीबार २३:५९
सीमाञ्चल समदिया