बिमान दुर्घटनामे मरल धनुषाके सातोगोटेकेँ राजधानीमे दैहिक संस्कार

२०७९ जेष्ठ १९, बिहीबार १०:२०
सीमाञ्चल समदिया

  • 90
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । एहे जेष्ठ बितल १६ गते रविदिन, कास्की जिलाके पोखरास’ मुस्ताङ्ग जिलाके जोमसोम दिश जारहल विमाण दुर्घटना भेल छल ।

ओहि विमाण दुर्घटनामे पैरक एक्कहि परिवारके सात गोटेके सेहो जीवन लीला समाप्त भगेल छल । मृतक सातोगोटे धनुषा जिला निवासी छलाह ।

विमान दुर्घटनामे दिवंगत भेलहासभकेँ नेपालके राजधानी काठमाण्डौ स्थित स्वायम्भुमे अन्तिम दैहिक संस्कार बृहस्पति दिन अखनु ३ बजे कएल जारहल छै, से जनतब भेटल ।

तारा एयरके विमान पर्यटकीय नगरि पोखरास’ ९ः५५बजे उड़ान भरने छल आ १०ः१२ मीनट पर पछाइत विमान सम्पर्क विहिन भगेल ।

दू दिनके खोज तलाश पछाइत मात्र विमाण दुर्घटना भेल आ विमानमे सवार चालक दलके ३ सदस्य एवं २२ यात्री सहितके मृत्यु भगेल आधिकारीक रुपस’ पुष्टि भेल छल ।

दुर्घटनामे मरलसभ मादे धनुषा जिला मिथिला नगरपालिका तुलसी पाटो नजिकके लोटा नामक गाम निवासी एक्कहि परिवारके सातगोटे सामेल छलाह ।

दुर्घटना एवं विमाणमे सवार होबस’ पहिने दिवंगत गोले परिवारके सातोजन ।

जाहिमादे नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एकीकृत समाजवादी) धनुषा जिला कमिटी सदस्य दिवगंत राजन गोले ,दिवंगत राजनके माय, बाबु सामेल छल ।

नेकपा एसके जिला कमिटी सदस्य राजनके काका मकर बहादुर तामाङ, काकी , मामा, मामी सहित सातगोटे छल । सातोके दैहिकसंस्कार स्वाम्भुमे बौद्धधर्म परम्परा अनुसार कएल गेल छै ।

दैहिकसंस्कार करबस’ पहिने पुर्वप्रधानमन्त्री तथा नेकपा (एस) के नेता श्रद्धेय झलनाथ खनाल पार्टीके झन्डा ओढ़ाक अन्तिम श्रद्धाञ्जली अर्पण कएलाह ।

ओहि अवसर पर नेकपा एसके धनुषाके प्रभावशाली युवानेता श्रीप्रसाद साह, शीतल साह, राजकुमार यादव सहितके सहभागिता छल ।

सेहो जनतब नेकपा(एस) जिला कमिटी धनुषाके सचिव राजकुमार यादव सीमाञ्चल समदियाके देलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
पञ्चतत्वमे विलीन सर्जक नेपालीके जीवन-संघर्ष बृतान्त
२०८० भाद्र १३, बुधबार ११:२०
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया