सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । पशुबलि उन्मूलन हेतु आइभिन्सर ६ बजेस’ धर्ना अभियान शुरु कएलगेल छै । लोकआस्थाके केन्द्र धर्मिक सांस्कृतिक मिथिलानगरि जनकपुरधाममे कोनो बहन्ने पशु-पंक्षीके बलि देब प्रचलन बन्न होब चाही ।
अइ मूलमान्यतासंग समाज सुधारक अग्रणी युवा बिपती मण्डल जनकचौकमे पुनःअभियान सञ्चालन कएलाह । अन्धआस्थाके नाममे देवता-पितरके चढ़ाओल जायबाला चढ़ौनामे पशु-पक्षिके बलीदेब प्रथा समाजमे प्रचलनमे छै ।
एहन कुप्रथा उन्मूलन हेतु एक दशकस’ मण्डल निरन्तर अभियान चलबैत आएल छै; समाज सुधार हेतु प्रयत्नशील मण्डल लोकतान्त्रिक विधि प्रकृयाके प्रनेता राजा जनकके दरवार जनकचौक जनकपुरधाम स्थित जनकमन्दिर परिसरमे धर्ना द’क’ अभियान शुरु कएलाह ।
आन साल मात्र दशैंके समयमे एकमहिना वा १५ दिना पशुहिंसा बिरुद्धके अभियान मण्डल सञ्चालन करैत छलाह । अइबेर जेठ महिनाके कड़गर रौद-गमी-बसातके समेत प्रवाह नइ करैत अपन अभियान सञ्चालन कएलाह ।
अइ सम्बन्धमे पुछला पर ‘‘मात्र दशैमे एकबेर अभियान चलालेलास’ नइ होएत । समाजके जागरुकता हेतु निरन्तर समय-समय पर अभियान चलाओल जाय चाही । एहन जनउपराग भेटला पर आब प्रतेक तीन महिना छओ महिना पर जीव हत्या-हिंसा अन्त अभियान सञ्चालन करैत रहब ओ जनतब अभियन्ता मण्डल सीमाञ्चल समदियाकेँ देलाह ।
भिन्सर ६ बजेस’ १० बजेधैर पशुबलि बिरुद्ध हिंसा अन्त अभियान लेल धर्ना बैसक चेतना जगा रहल छैथ । लोककेँ तत्सम्बन्धि पर्चा-पम्पलेट द’क’ जागरुकता आनब काज सेहो करहल छै । जे प्रशंसनीय काज छै । जे प्रशंसनीय काज छै ।
‘सनातन सांस्कृतिक सम्बन्ध समिति’ जनकपुरधामव्दारा अभियान सञ्चालन कएलगेल छै । अहिंसावादी कर्म सिद्धान्तके परिपालक अभियन्ता मण्डलके कार्यके सराहल जाय चाही एवं प्रोत्साहन देल जाय चाही ।
प्रतिक्रिया