बिपती भाइके पशुबलि बिरुध्द करुणामय अभियान आइस’शूरु

२०७८ आश्विन २०, बुधबार १५:०८
सीमाञ्चल समदिया

  • 62
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । प्रतेक वर्ष जकाँ अहूबेर समाजके पथ प्रदर्शक हेतु अभियन्ता बिपती मण्डल बलिप्रथा अन्त हेतु जनमानस’ अपील करैत धर्ना दिअके काज शुरु कएलाह ।

मिथिला नगरि जनकपुरधामके जनकचौक स्थित राजर्षिजनक मन्दिरके आगुमे बैसक ‘‘करुणामय मानवीय संवेदनशीलता पशुवो जेहन प्राणिपर देखाओल जाए । आस्थाके नाममे बलिप्रथा द’क’ जीवहत्या करब जेहन पाप नइ बटोरल जाए’’ कहैत दशैंमे हुअबाला काटमार पशुबलि दिअके काज नइ कएल जाए लेल लोककेँ सचेत करबैत देखल गेलाह ।

सनातन सांस्कृतिक सम्बन्ध समिति जनकपुरधाम, नेपालके तत्वाधानमे बुधदिनस’ शुरु कएने बलिप्रथा बिरुद्धके जन जागरुकता अभियानमे हुनकासंग पुरबा लेल रामपुकार राय सेहो सामेल छलाह ।

‘‘स्वच्छ जनकपुरधाम, स्वस्थ जनकपुरधाम, बलिप्रथा मुक्त जनकपुरधाम ’’! अइ मूल नारासंग ‘‘जीउके स्वाद आ दैहिक पालन हेतु जीब हत्या नइ कएल जाए ! सनातन संस्कृतिके धरोहर जनकपुरधामकेँ परिचय हत्यास्थलीके रुपमे विकसित नइ कएल जाए, जीव आत्माके रक्षा कएल जाए’’, ओ सरोकारबाला सभस’ सेहो भाइ बिपती मण्डल अपन अपील-पत्र लोककेँ हातमे थमबैत ओहि मादे आग्रह कएलाह ।

भिन्सर ९ बजेस’२ बजेधैर जनकचौकस’ जाए-आबबाला बटोहिस’ ओ अहिना अपन पर्चा दैत जीवहत्या रोकमे सहभागि भेल जाए आग्रह करैत रहलाह । सच्चा मानवतावादी बनल जाए ओ सन्देश लोकबीच छिरिएबैत रहलाह । आगामी २७गते धैर ई क्रम प्रतेकदिन करैत रहताह सेहो जनतब ओ देलाह ।

जनकपुरधाममे दशैंक समयमे राममन्दिर स्थित मात राजदेवीके आधुनिक गहबरमे अष्ठमीतिथिके दिन खस्सी-बोकराके बलि देल जाइत छै । एकदशैंमे बीस हजार जतेक धैर खस्सी-छागरके बलिपैर जाइत छै ।

जनकपुरधाम नगरक्षेत्रमे रहल आनआन देवीके स्थलमे सेहो बलि प्रदान होइत छै । एकर लगपासके दैविक स्थलसभमे सेहो पशुबलि देल जाइत छै । जाहिके निरुत्साहित करब काज सभपक्षस’ हुअ चाही ।

समाज सुधारक पक्षधर मण्डल २०६७ सालस’ निरन्तर अपन टेंटस’ लगानी क’क’ बैनर पोष्टर लगबाक,पर्चा बांटीक जनतामे सचेतना लाबके प्रयास करैत आएल छैथ । चित्रःनागवंशी/सीमाञ्चल

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
युरोपके प्रवेशव्दारपर दलकीःसिरियाके हाल सेहो बेहाल
२०७९ माघ २६, बिहीबार १५:०९
सीमाञ्चल समदिया
बीच सडक परफिल्मी शैलीमे डेंगैयां
२०७९ कार्तिक २८, सोमबार २२:४८
सीमाञ्चल समदिया
महोत्तरीके परडि़यामे तनाव यथावत् एकगोटेके हात धरस’ अलग
२०७९ कार्तिक ११, शुक्रबार ०९:३२
सीमाञ्चल समदिया