चित्रश्रोत- नेपालवाणी
सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । बिकट पहारी जिला बागलुङमे बुध राइत आएल एकाएक बाइढ़ आ भूक्षयस’ ब्यापक जनधनकेँ क्षति भेल छै ।
बागलुङ जिलाके ढोरपाटन नगरपालिका वार्ड नं.-९ बोबाङमे खसल पहार/भूक्षय(पहिरो)मे हाल धैर १४ गोटेकेँ मृत्यु भेल कहल गेल छै । मृत्यु भेल १४ मध्ये ४गोटेकेँ शवके मात्र चिन्हिल जासकल छै । संगे पहार झहैरक खसलास’ ओइमे पैरक २४ गोटे अखनो हेरारहल छै । जकर खोज तलास स्थानीयसभ सेहो हेंज बनाक करहल छै ।
भेटल मृतकसभकेँ शव मादे ढोरपाटन-९ के २६ वर्षके केशमाया विक, ४५ वर्षके विरे विक, २२ वर्षके जीवन विक आ ११ वर्षके डल्ले विक नाम के स्थानी रहल छै । से जनतब ओतुका प्रहरी जानकारी सार्वजनिक कएने छै । भेटल शव मादे १० गोटेकेँ ई खबर जारी करब धैर चिन्हित नइ कएल जासकल छै । ओतुको डिएसपी राजेन्द्र रेग्मी कहने छै ।
डिएसपी रेग्मीके कहब अनुसार ‘‘बुर्तिबाङस्थित प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्रमे मृतकके शव राखल गेल छै । राखिएको छ । पहिचान कएल गेलहासभकेँ शवके शवपरिक्षणकेँ काज कएल जारहल छै । प्रकृतिक घटनामे बेपत्ता भेल सभकेँ भिन्सरेस’ खोजी शुरु कएलगेल छै ।’’
एकदिस कारोना महामारी आ दोसर दिस प्रकृति आपदा आ तेसर शासकीय सिस्टमे रहल लोकके तानाशाही आ मनपर्दी काज-व्यवहार अइसभस’ नेपाली जनता लैड़ रहल छै, मैर रहल छै आ बाँचलसभ काहि काइट रहल छै ।
प्रतिक्रिया