बाहुनमाराक्षेत्रमे सीमित जल संसाधन पर सभामे छलफल

२०७८ आश्विन १६, शनिबार १७:२६
सीमाञ्चल समदिया

  • 27
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । सिन्धुली महोत्तरी जिला सीमानासंगे जुड़ल धनुषा जिलाके ‘तल्लोबाहुनमारा’मे ‘खानेपानी तथा सरसफाई उपभोक्ता समिति’के वार्षिकसभामे पानिके उपयोग करए पर छलफल हेतु प्रस्ताव पेस कएल गेल छै ।

पानिके श्रोतीक्षेत्रमे शुद्ध पीयबाला पानिके अभाव खटैक रहल छै तेकर पुष्टि अहूस’ कएल जासकैए । प्रकृति श्रोतस’ उपलब्ध हुअबाला पानि  एक परिवारमे महिनामे एकबेर १५,स’ २०,हजार लिटर मात्र समितिके मादे पीय लेल देल जाएत । जे योजना साधारणसभामे अनुमोदन हेतु शनिदिन पेस भेल ।  कार्यक्रमके मुख्य अतिथि अग्रज पत्रकार तोरणकुमार कार्की मादे ओ जनतब भेटल ।

‘तल्लोबाहुनमारा खानेपानी तथा सरसफाई उपभोक्ता समिति’के २१औं साधारणसभामे प्रस्तुत कएलगेल उल्लेखित प्रस्तावमे सहमति बनल अनुसार १५ वा २० हजार लिटर पीयबाला पानि समान रुपस’ सभकेँ उपलब्ध कराओल जाएत ।

मिथिला नगर पालिका वार्ड नं.११ स्थित कालीखोला सामुदायिक बन उपभोक्ता समितिके भवनमे सभा सञ्चालन भेल छै । उपभोक्ता समितिके अध्यक्ष देबीबहादुर कार्कीके सभापतित्वमे एवं अग्रज पत्रकार, रातु विकास परिषद्के अध्यक्ष कार्कीके प्रमुख आतिथ्यमे एक्कैसम् वार्षिक साधारणसभा शनिदिन भेल ।

ओहि अवसरमे प्रमुख अतिथि कार्की, उपभोक्ता समितिके पूर्बअध्यक्ष सुर्यबहादुर कार्की, पुर्बउपाध्यक्ष दुर्गादेवी कार्कीकेँ दोसल्ला ओढ़ाक विशेष रुपस’ सम्मानित सेहो कएल गेल । शुद्ध पेय जल एवं सरसफाई कार्यमे विशेष सक्रियता देखाक समाजके अतुलनीय उसास कएने रहलास’ हिनकासभकेँ विशेष सम्मान कएलगेल बुझमे आएल ।

साधारणसभामे कोषाध्यक्ष बार्षिक आयब्यय प्रस्तुत कएलाह । शिक्षक जनकप्रसाद पौडेलव्दारा सञ्चालित सभामे शिक्षिका उषा कार्की,टोल विकास संस्थाके संयोजक टेकेन्द्र कार्की, प्रेम कार्की, जुनु थापा सहितके सहभागीसभ अपन अपन धारना रखने छलाह ।

पानि खपतके जाँच करएबाला मीटर उपभोक्तासभके घर देहरी पर लगाओल जाचुकल छै । ओ जनतब दैत उपभोक्तासभकेँ आगामी दिनमे आवश्यकता अनुसार पानि उपलब्ध कराब लेल कोना, कोन तरहें, कतेक दस्तुरमे पानि उपलब्ध कराओल जाय, छलफलके विषय बनल ।

पानि खपत मुताबिक मीटर जाँच क’क’ दस्तुर लेल जाए, महिनावारी शुल्क, आदि कार्य-विषय सेहो साधारणसभाके मुख्य विषय छल । जाहिपर सहभागीसभ बीच छलफल एवं निर्णय समेत भेल बात बुझमे आएल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
पञ्चतत्वमे विलीन सर्जक नेपालीके जीवन-संघर्ष बृतान्त
२०८० भाद्र १३, बुधबार ११:२०
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया