सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । बाल-बालिकासभ अप्पन हित सुरक्षित करब हेतु एवं हकअधिकार प्राप्ति लेल नगर बाल सञ्जाल कायम कएने छै । धनुषा जिलाके मिथिला नगर पालिकामे नगर बाल सञ्जाल गठन रवि दिन कएलगेल ।
गठित ‘मिथिला नगर बाल सञ्जाल’के अध्यक्षमे अंकित कुशवाहाके चुनल गेल छै । सञ्जालके उपाध्यक्षपदमे आरतीकुमारी साह, सचिवमे अमितकुमार महतो, सह-सचिवमे दिवेशकुमार महतो एवं कोषाध्यक्ष पदमे अनिशाकुमारी महरोँ चयन कएलगेल छै ।
तहिना सञ्जालके कार्यसमिति सदस्यसभमे सोनीका शर्मा ,जोगेन्द्रकुमार महतो, इन्द्रजितकुमार महतो ,शिवमकुमार महतो, श्यामकुमार महतो, सुलेखाकुमारी महतो, काजलकुमारी महतो, मन्जितकुमार महतो आ शिशिर नेपालीके चयन कएलगेल छै । ओ जनतब बौआ दिवेश कुमार महतो सीमाञ्चल समदियाके देन छैथ ।
प्रतिक्रिया