सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । बैदेशिक रोजगारीमे रहल तराईवासी नेपालीसभकेँ प्रयासस’ कायम हेल्प मधेशी संगठन मादे एकटा बालिकाके उपचार वास्ते नगद रकम प्रदान कएलगेल छै ।
समाजमे कमजोर,असहाय आर्थिकरुपस’ लाचार लोककेँ संगठन बरोबर सहयोग करैत आएल छै । अहि क्रममे उत्तरी-पूर्वी धनुषा जिलाके सबैलामे एकटा दलित परिवारकेँ आर्थिक रकम सहयोग कएलगेल छै ।
सबैला नगर पालिका वार्ड नं.३ निवासी ईश्वर महरा एवं जीतकुमारी महराकेँ बेटी वर्षाकुमारी महराकेँ हातमे नगद रकम द’क’ सहयोग कएलगेल छै । करिब दश वर्षिया बालिका बर्षाके पेट फूइलक भांथि जकाँ भजाइत छलै ।
जाहिके उपचार वास्ते रकम जोगार नइ हुअ सैक रहल छल । उपचारमे समस्या अएने तत्काल ५ हजार सहयोग कएलगेल छल । भारतके दरभंगास’ उपचार कराक अएला पछाइत वर्षाके स्वास्थ्यमे सुधार भरहल छै ।
उपचारमे रकमके आरो दरकार रहलास’ हेल्प मधेशी संगठन शाह आलम दलान मलेशियास’ प्राप्त रकम १५ हजार शनिदिन प्रदान कएलगेल ।
हेल्प मधेशी संगठन नेपालके अध्यक्ष रामउद्गार यादव अपने उपस्थितीमे समाज सुधारक नथुनी यादव हरेरामके हातस’ पीडि़त बालिकाके घर-देहरी पर जाक बालिकाके हातमे रकम देलाह ।
उपचारमे जे जतेक रकम आरो लागत ओ पुनः देल जाएत अध्यक्ष यादव एवं रकम हस्तान्त्रणकर्ता हरेराम सेहो भरोस महरा परिवारकेँ दियौलाह । चित्रसभःनागवंशी/सीमाञ्चल
प्रतिक्रिया