बारा क्षेत्र २ स’ उपेन्द्र यादव चुनाव लड़ताह ?

जसपा एकल विकास पार्टी बैन रहल आरोप

२०७९ भाद्र १३, सोमबार १६:०३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com

  • 54
    Shares
simanchal.com
Ramsis yadav

जनकपुरधाम । जनता समाजबादी पार्टी नेपाल केन्द्रीय अध्यक्ष उपेन्द्र यादव तराईक्षेत्रके वारा जिलास’ आगामी संसदीय चुनाव लड़ताह । ओहि लेल हुनका नाम पर वारा जिलामे पार्टी नेतृत्व मोहर लगौने छै ।

 

जनता समाजबादी पार्टी नेपाल केन्द्रीय कमिटीके निर्देशन अनुसार बारा जिला निर्वाचनक्षेत्र नंः२के अध्यक्ष लालबाबु सिँहके सभापतित्वमे बैसार भेल । पार्टी नेतासभके ओ बैसारमे वातावरण मन्त्री रामसहाय प्रसाद यादव प्रमुख आतिथि एवं मधेश प्रदेश अध्यक्ष रामबाबु यादव बिशिष्ट आतिथिके रुपमे सेहो सामेल छलाह ।

 

बैसारमे आगामी अगहन-४गते हुअबाला प्रतिनिधि सभा सदस्यके निर्वाचनमे जसपा केन्द्रिय अध्यक्ष यादव स्वयं अपन खुशीस’ वारा प्रत्याशीमे आब चाहैत छैथ त’ आबो हुनका स्वागत छै । ओ कहैत उम्मेदवारी हेतु फटक खुजल राखलगेल छै ओ जनतब भेटल ।

 

संघीय संसदके उम्मेदवारी लेल एवं प्रदेश संसदके प्रत्याशी ईक्छुक उम्मेदवारसभके नाम चयन करैत क्षेत्रीय कमिटीस’ सिफारिस कएलगेल बुझमे आएल ।

 

अध्यक्ष यादवके अतिरिक्त वारा जिलास’ सिफारिस भेल नाम
प्रतिनिधि सभा एवं प्रदेससभाके उम्मेदवारमे प्रतिस्पर्धा करलेल चयन करब हेतु क्षेत्रीय कमिटीस’ पठाओलगेल नाम उल्लेखित अनुसार रहल छै ।
प्रतिनिधिसभा सदस्य लेल सिफारीस कएलगेल नामसभ प्रयाग यादव, रामसहाय यादव, उपेन्द्र यादव जसपा अध्यक्ष ।

 

प्रदेश सांसद (क) प्रत्याशी उम्मेदवारसभ
कामेश्वर यादव, रामबाबु यादव,आत्माराम शाह, उशा यादव,
बिनोद यादव, शंकर यादव,नागेन्द्र यादव,शिवशङ्कर यादव ।

 

प्रदेश सांसद (ख) प्रत्याशी उम्मेदवारसभ

अवध भुषन यादव, बाचा यादव, रामसागर यादव,
अमरदेव पसाद्र यादव, ब्रहमदेव प्रसाद यादव, शम्भु यादव
रामकिशोर यादव,धुव्र प्रसाद यादव,लालबाबु प्रसाद यादव
ऋषिकेश यादव सहितके नाम सिफारीसमे परल छैथ ।

 

ई उल्लेखित नामाबली देखला पर सामाजिक सञ्जालमे जसपा नेतृत्वके उपर अत्याधिक कटाक्ष कएल जारहल छै । ब्यग्यवाण प्रहार कएलगेल छै । लोक जसपाके नाम बदैmलक ‘एकल जातीय विकास पार्टी’ राइख दिअ चाही सेहो कमेन्ट कएलगेल छै । मधेश आन्दोलनके अगुवा इन्द्रकुमार मधेशानन्दके वालस’ एहन जनतब भेटैत छै ।

 

पत्रकार महासंघके पूर्वअध्यक्ष पुनःप्रदेशसभामे उम्मेदवारी देताह

जनता समाजवादी पार्टी नेपालस’ आबध्द प्रदेश सांसद रामअशिष यादव पुनः धनुषा निर्वाचन क्षेत्र नं.२ के ‘ख’ स’ फेर उम्मेदवारहौउतह । प्रदेशसभा निर्वाचन क्षेत्रस’ अहूबेर प्रदेश सांसद पदमे उम्मेदवारी देबके घोषणा ओ कएने छैथ ।

 

धनुषा निर्वाचन क्षेत्र २ को केन्द्र बिन्दु शहिदनगर नगरपालिकाके यदुकूहामे आयोजित पार्टीके क्षेत्रीय बैसारमे प्रदेशसांसद यादव हम प्रदेश सांसदमे अहूबेर उम्मेदवारी दिब बात बतौलाह ।

 

‘‘गणतन्त्रके संस्थागत आ संघीयताके अभ्यासके क्रममे हम प्रदेश सांसदके हैसियतस’ मधेश प्रदेश सभामे ऐन कानुन तैयारी कराबमे महत्त्वपूणर् भुमिका निमाहने छी ओ बतौलाह । जसपा पार्टी के दिशस’ हमरे टीकट भेटत ताहिमे ओ विश्वस्त देखलगेलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया