जनकपुरधाम । बाम आन्दोलनमे अग्रणी भूमिका निर्वाहक नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी माओवादी केन्द्रस’ आबध्द ‘बलबहादुर पुर्वछाने’के श्रद्धाञ्जलि कार्यक्रम कएलगेल छै ।
दिवंगत पुर्वछानेके तेरहम् पुन्यतिथिके अवसर पर एकटा कार्यक्रम आयोजन क’क’ श्रद्धाञ्जलि अर्पण कएलगेल छै । कार्यक्रममे नेकपा (माओवादी केन्द्र)के स्थायीसमिति सदस्य गिरिराजमणी पोखरेलकेँ प्रमुख आतिथ्यमे रविदिन भेल । शिक्षा तथा स्वास्थ्य पूर्वमन्त्री समेत रहल माओवादी नेता पोखरेल पुर्वछानेके तस्वीर पर अबीर माला चढ़ाक श्रद्धा सुमन अर्पण कएलाह ।
धनुषधाम नगरपालिकामे मेयरके प्रत्यासी माओवादीके धनुषा जिल्ला अध्यक्ष दिपक यादबके अध्यक्षतामे श्रद्धाञ्जलि कार्यक्रम भेल । कार्यक्रममे विशिष्ट अतिथिके रुपमे शिक्षा बिज्ञान तथा प्रबिधि राज्यमन्त्री बोधमाया यादब, माओवादीके मधेश प्रदेश कमिटीके सहइन्चार्ज एवं केन्द्रिय सदस्य बिश्वनाथ साह सामेल छलाह ।
दिवंगत बलबहादुर पुर्वछाने केन्द्रिय समिती सल्लाहकार,२०२८सालमे पार्टी सदस्यता प्राप्त कए कम्युनिष्ट आन्दोलनमे सकृय भेल छलाह । धनुषा जिलाके उत्तरीचुरेक्षेत्रमे खासक’ बाम आन्दोलनमे प्रमुख रुपस’ सामेल होइत आन्दोलनके शीखरधैर पुंगाबबाला वीर योद्धा छलाह पुर्वछाने । कार्यक्रममे सहभागी प्रमुख वक्तासभ अपन अपन धारना राखैत बजलाह ।
श्रद्धाञ्जलि कार्यक्रममे माओवादीके दिग्गज नेता जिल्ला इन्चार्ज श्रवण यादव, सबैला नगर पालिकाके नगरप्रमुख कारीराम यादव, पार्टीके प्रदेश समिती स्दस्य तथा जिल्ला सहइन्चार्ज झल्कु यादब , नगरअध्यक्ष बिष्णी यादब, गणेशमान चारनाथ नगर पालिकाके नगरअध्यक्ष महेशलाल यादब, एवं अ.ने.म.क्रा.जिल्ला सहइन्चार्ज श्रीबिन्दु मास्के सहितके माओवादी नेता तथा नेत्रीके उपस्थिती छल ।
प्रतिक्रिया