बामपन्थके जनसेवी‘महादेव’नइ रहलाह,प्रचण्डव्दारा श्रद्धाञ्जलि

२०७८ असार २२, मंगलवार १८:१७
सीमाञ्चल समदिया

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नम्हर समयस’ सामाजिक सेवामे लागल बाम राजनीतिकके सच्चा पहरेदारीकर्ता, कर्मट इमान्दार मीलनसार लोक महादेव यादव अइ संसारस’ काइल्हखन सोम दिन विदाह भगेलाह ।

नेकपा (माओवादी केन्द्र) के केन्द्रिय सदस्य समेत रहल दिवंगत यादव किछु महिनास’ बेमार रहेत आएल् छलाह । ओ क्यान्सरस’ पीडित छलाह आ निरन्तर उपचारमे छलाह । उपचारके क्रममे हुनक देहावसान भगेल छल । हुनक निधनस’ गाम समाजक लोक स्तब्ध भेल छै ।

एकटा कर्मठ सिद्धान्तबादी जनसेवक गुमल छै । एहन धारना आइ मङ्गल दिन हुनक अन्तिम दैहिक संस्कार हुअस’ पहिने धनुषा पधारने नेकपा माओवादी केन्द्रके अध्यक्ष एवं पूर्व प्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड रखलाह ।

पार्थिव शरीर पर पार्टीकेँ झण्डा ओढाक, माला फूल चलाक, अबीर चानन लगाक अन्तिम श्रद्धाञ्जलि अध्यक्ष प्रचण्ड देलाह । ‘‘नेपालके राजनीतिक परिवर्तनमे दिवंगत यादव खलने महत्त्वपूणर् भुमिका कहियो नइ बिसरल जाएत ।

हुनकर संघर्षक यात्रा जनसेवी भावना सदैव हमसभ स्मरण करैत रहब । एहन वीर योद्धाकेँ देहावसानस’ पार्टी सेहो मर्माहत भेल छै ’’ अध्यक्ष प्रचण्ड अपन संक्षिप्त धारना राखैत कहलाह ।

शोकाकुल परिवारजन प्रति धैर्यता लेल एवं सम्वेदना ब्यक्त करब हेतु पूर्व मन्त्री एवं माओवादी नेता मातृकाप्रसाद यादव, योगकुमार बरबरिया यादव, बोधमाया यादव, रामकुमार शर्मा, दिपक यादव सहितक नेता कार्यकर्तासभके हुजुम जुमल छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
पञ्चतत्वमे विलीन सर्जक नेपालीके जीवन-संघर्ष बृतान्त
२०८० भाद्र १३, बुधबार ११:२०
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया