बामदेव आब राष्ट्रियसभामे बमकता, सरकार कएलक पठाबके निर्णय

२०७७ भाद्र २९, सोमबार १८:१५
सीमाञ्चल समदिया
बामदेव आब राष्ट्रियसभामे बमकता, सरकार कएलक पठाबके निर्णय

  • 21
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम   ।
सत्ताधारी दल नेपाल कम्युनिष्ट पार्टीक उपाध्यक्ष वामदेव गौतमकेँ राष्ट्रिय सभामे सदस्य बनाओल जाए लेल राष्ट्रपति समक्ष सिफारिस कएल जाए ओ निर्णय सरकार आइ कएलक । राष्ट्रियसभामे रिक्त रहल एकटा सदस्य पदमे गौतमको नियुक्त क’क’ पदपूर्ति कएल जाए लेल राष्ट्रपति समक्ष सिफारिस कएल जाए, ओ निर्णय सोमदिनक मन्त्री परिषद्केँ बैसारस’ सरकार कएने छै ।

पार्टी संगठन विभाग प्रमुख समेत रहल गौतमकेँ एहे भादव बितल १८ गते सत्ताधारी दल नेकपा  राष्ट्रियसभामे पठाबके निर्णय कएने   छल । मुदा पार्टी अध्यक्ष एवं प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली सहमति नइ छलाह तैँ निर्णय आगु नइ ससरल छल । पार्टीके दोसर अध्यक्ष पुष्प कमल दाहाल प्रचण्डसँग छलफल भेला पछाइत सोमदिन मन्त्रिपरिषद्स’ निर्णय कराक गौतमकेँ राष्ट्रियसभामे पठाबके निर्णय भेल छै ।

सरकारद्वारा सिफारिस कएलगेला पर राष्ट्रपति विद्यादेवी भण्डारीव्दारा नियुक्त कएल जाएबाला कोटास’ पूर्व उपप्रधान एवं गृहमन्त्री समेत भचुकल गौतम राष्ट्रियसभामे प्रवेश भजाएत ।

वामदेव गौतम पछिम नेपालके बर्दिया जिलास’ प्रत्यक्ष निर्वाचनमे पराजित भेल छैथ । जनतास’ हारल-नकारल सेहो संसद बनत आ जौं संविधान संशोधनके जे हल्ला छै ओ भगेल तखन मन्त्री, प्रधानमन्त्रीयो भइए जाएत । राजनीतिक सहमतिके नाम पर एहन व्यवस्था कायम रहत त’ जीतत तैयौ, हारत तयौ , हारल-नकारल मन्त्री, संसद बनबे करत ।

 

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया