सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । धनुषा जिलाकेँ धनौजी गाउँ पालिका अन्तर्गत बहुअर्वा गाममे एकटा नवनिर्मित सार्वजनिक दलानकेँ उद्घाटन कएल गेल छै । प्रदेश-२के पूर्व कानुनमन्त्री एवं वर्तमान संसद चमेलीदेवी दास संयुक्त रुपस’ दलान उद्घाटन कएने छैथ ।
धनौजी गापा वार्ड नं.५ बहुअर्बा गामके पुर्वारी टोलमे सार्वजनिक दलान निर्माण काज कएलगेल छै । वार्ड नं.५के अध्यक्ष कमल नारायण पंकजकेँ प्रयासस’ हनुमान आराधना संकल्प कार्यक्रम अन्तर्गत दलान निर्माण कराओल गेल छै ।
दलान निर्माण हेतु कायम कएलगेल ‘पूर्वारी टोल सार्वजनिक दलान सेवा समिति’के मादे शनिदिन दलान भवन उद्घाटन कार्यक्रम आयोजन कार्य कएलगेल छै । से जनतब शिक्षक सुरेश पण्डित मादे देलगेल ।
उद्घाटन कार्यक्रमक प्रमुख अतिथी पुर्व कानुन मन्त्री ज्ञानेन्द्र कुमार यादव, विशिष्टअतिथी प्रदेश सासंद चमेली देवी दास समाजमे दलीतके दसा पर चर्चा मात्र कएल जाइत छै, ओकर समग्र विकासलेल प्रतिबध्दतो कएल जाइत छै मुदा काज ओहि अनुरुप नइ भरहल छै । ताहि प्रति दुःख एवं चिन्ता दूनुगोटे व्यक्त कएलाह ।
प्रतिक्रिया