सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । धनुषा जिलाके धनौजी गाउँ पालिका वार्ड नं.५, बहुअर्वा गाममे आइ मातम पसरल छै । संउसे गाम शोकमग्न अवस्थामे छै ।
कारण छै घरके मुख्यसदस्य पर कएलगेल दबिया प्रहारस’ असमयमे देहावशान होएब । घटना किछु माह पुराण छै, समस्या टटका छै ।
मृत्यु कोनो परिस्थितिमे सहज नइ मानल जाइत छै । मृत्यु असहज होइत छै ! तथापि अपन आयुस’ लोक मरैए त’ मृत्यु पर पीड़ा अनुभूत कम होइत छै, ई मानवीय स्वाभाव छै ।
मुदा अराजकतापूर्वक अवस्था सृर्जना क’क’ हत्या करब काज कएल जाए एवं आरोपीकेँ सरोकारी निकायस’ बकैस देल जाए तखन ओ मृत्यु अत्याधिक पीड़ादायी होइत छै ।
परिवारो लेल, समाजो लेल सामाजिक सम्बेदिक आ दरेगी लोक लेल सेहो ! बहुअर्वा गाममे आइ भिन्सर साढ़े आठबजे सीमाञ्चल समदियाकेँ समेत पुगला पर ओहने बोध भेल ।
छओ महिना पहिने भादवमे बहुअर्वा गाममे ओलार लग बजार पर गणेसोत्सवके भव्य मेला आयोजन भेल छल । मेला देख पुंगल लोकसब मादे बहुअर्वा गामके रामनन्दन मण्डल केवटके जेठका बेटा सरोजकुमार मण्डल सेहो छल, जिनका पेटमे तरबार घुसाक हत्या करब दुस्साहस कएल गेल ।
सरोजकेँ घाहिल अवस्थामे पहिने जनकपुरधाम ओकराबाद राजधानी काठमाण्डौ ग्रायण्डी अस्पतालमे उपचार भेल । पाछा ट्रामा सेन्टरमे उपचार भरहल छल ।
२०७८ साल बितल भादव २६ गते रातिमे दू बजे समयमे अपराधिक घटना भेल । मेलामे नाच देखैत काल गामेके अमितकुमार मण्डल, मनिषकुमार मण्डल, राजीवकुमार मण्डलसंगे आपसी विवाद भेल ।
ओहि विवादमे प्रतिवादी मनिष, राजिवव्दारा धरगर अस्त्र दबिया-तलवार घरस’ मेला स्थलमे मंगबौलक । मनिष तरवारस’ अमितकेँ माथ पर प्रहार क’क’ घाहिल बनौलक । ओ देखला पर बचाउ हेतु बजरङ्ग राउत एवं सरोजकुमार मण्डल गेल ।
हिनकासभ पर तरवार प्रहार करए लागल । जाहिमे बजरङ्गकेँ जांघमे जखम भेल एवं सरोजकेँ पेटमे तरवार घुसाइरक आन्तरिक अङ्गभंग क’ देलगेल ।
धनौजी गापा वार्ड नं.५ बहुर्अवा निवासी रामआशिष मण्डलके १८ वर्षके बेटा मनिषकुमार मण्डल एवं वार्ड नं.४ निवासी विमल मण्डलके बेटा २३ वर्षक राजीवकुमार मण्डल समेत पर ‘जान मारब उधोग’ मुद्दा जिला अदालत धनुषामे धनुषा प्रहरी मादे दर्ज भेल ।
जिला न्यायधीश परशुराम भट्टराईके एकल इजलाशस’ हत्या अभियोग(ज्यान मार्ने उधोग) मुद्दाकेँ माइरपीट(कुटपीट)मे परिणत क’क’ प्रतिबादीसभकेँ मुक्त कराबके फैशला देलगेल ।
गम्भिर घाहिल सरोज मण्डलके उपचार खर्च हेतु ४ लाख ९२ हजार २ सय ५९ टाका, घाहिल अनिल मण्डलके ६९ हजार ३ सय टाका एवं बजरङ्ग प्रसाद राउतके ३ हजार १ सय ३० टाका बिल भरपाई अनुसार उपचार खर्च पीटपाटकर्ता प्रतिवादी राजीवकुमार मण्डल देत ; सुनाओल गेल फैशलामे उल्लेख छै ।
पीडि़तके चित नइ बुझला पर उच्च अदालतमे ७० दिन पछाइत पुनरावेदन करब हेतु जायल जासकैए ; बितल पुस-१९गते जिला अदालत धनुषाके न्यायधीश परशुराभ भट्टाईके आदेश भेल; ईजलाश अधिकृत समिता श्रेष्ठ मादे प्रमाणिक फैशला–पत्रमे कहलगेल छै ।
स्थानीय वासीसभ सहित बहुअर्वा गापा वार्ड नं.५के वार्ड अध्यक्ष कमलनारायण पंकज-“पीडित पक्ष,(गिम्भिर घाहिल सरोज)केँ उपचार जारीए छल । पेटमे गम्भिर घाउ भेलास’ ओकर आतं समेत बाहर निकालिक ‘ल्याप्राटोमी’ प्रविधिस’ शल्यकृया क्रम जारी छल ।
तखन कोन विवेकस’ न्यायधीश भट्टराई हत्या अभियोगमे कारागारमे रहलकेँ माइरपीटके मुद्दामे परिनत कएलगेल आ छोड़ल गेल ?
प्रश्न करैत अइ रहस्यस’ पर्दा अपने पत्रकारेसभ हटाक सत्य-तथ्य उजागर कसकैत छी,” पत्रकासभ समक्ष आग्रह करैत कहलाह ।
तरबार प्रहार क’क’ जान मारब काज कएनिहार घुइम रहल छै । तरवार प्रहारस’ कटाक मारलगेल सरोजकेँ परिवारजन सहित सउंसे गौवां अन्यायक अनुभूति करहल छै । अदालती आदेश अनुसार ७० दिनके सांती सयदिन बित गेलै ।
तेकराबाद उपचारार्थ सरोजके मृत्यु भेल छै । तैँ न्यायकर्ता न्यायधीश संकाके घेरामे छैथ । पीडि़त सही न्यायके खोजमे प्रथमतः सञ्चारक्षेत्रकेँ गुहार कएने छै ।
हुनकासंग पुरुवा गौवां समाज छै । दिवंगतके परिवारमे माय, बाबु, पत्नी चान्दनी मण्डल, ९ वर्षके बेटा भूमि मण्डल एवं ५ वर्षके बेटी भूमिका मण्डल छैथ ।
परिवारजन कनैत कनैत बेहोस भजाइत छै । लोक दाँती छोड़बैत छै, फेर बौआ, राजा, बाबु, कहैत मुर्क्षीत होइत खसैत छै ।
न्यायिक अधिकार क्षेत्रक लोकव्दारा सेहो आफतके पहार खड़ा करादेल गेल छै । स्वाभाविक रुपस’ पीडि़तकेँ पीड़ा अहूस’ बेसी अनुभूति भरहल छै । शब्द/चित्रःनागवंशी/सीमाञ्चल ।
प्रतिक्रिया