सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । गान्धीवादी काँग्रेसी नेता स्वर्गिय महेन्द्रनारायण निधिके नाम पर संस्थापित ‘महेन्द्रनारायण निधि स्मृति प्रतिष्ठान’द्वारा प्रत्येक शनि दिनक स्वास्थ्य शिबिर संचालन कएल जाइत छै । हप्ते हप्ते कोनो नइ कोनो गाम ठाममे संचालन होइत आएल निशुल्क स्वास्थ्य शिबिरके रविदिन पाचम् हप्ता पुरल छै । पाचम् हप्ताके स्वास्थ्य शीबिर धनुषा जिलाकेँ धनौजी गाउँ पालिका अन्तर्गत कएलगेल छै ।
धनौजी गापा वार्ड न ४ के बहुअर्वा गाममे भेल छै । बहुअर्बा स्थित माबि स्कुलमे स्वास्थ्य शिबिर रविदिन सम्पन्न भेल जनतब भेटल । शिविरमे ६ सयस’ उपर लोक विभिन्न रोगके जाँच आ उपचार करौलक । जाच् कराब आएल बेमारीसभकेँ चेकजाँचके संगेसंग निःशुल्क औषधि समेत उपलब्ध कराओल गेल ।
शिविरमे विभिन्न विभागके चिकित्सकसभ सेवा प्रदान कएने छैथ । जाहिमे डा.रामविनय चौधरी,डा.अश्विनी कुमार झा, डा.अमित रंजन मिश्र,डा.अमियकुमार साह, डा.अजय यादव, डा.शशी भुषण ठाकुर, डा.कुमार सम्भव,डा.अभिषेक बिकास पन्त, डा.मनिषा भारद्वाज, डा. शैलेन्द्र साह, डा.रोबिन झा, डा.हेमन्त कुमार शर्मा, डा. अमित यादव, डा.अभिजित साह, डा.सज्जन ठाकुर, डा.श्रीराम शर्मा, डा.अनिल कुमार साह, डा.विनय यादव, डा.रमेश कुमार यादव, डा.राजु साह सेवा ग्राहीसभके सेवा देने छैथ ।
एकरा अतिपिरक्त स्वास्थ्य शिबिरमे पारामेडिक्ससभ सुमनकुमार ठाकुर, घनश्याम झा , राजु, छोटुबाबु यादव, संतोष यदव, ललित कुमार यादव, दिपक यादव, अजयकुमार यादव, शत्रुधन राय, जिबछ साह, मन्दिप यादव,तथा ल्याब टेक्ििनशियन मुकेश सिंह, रुपेशनारायण महतो एवं नर्स रितिका झा सेहो सेवा प्रदायकमे सामेल छलीह ।
नेपाली काँग्रेस प्रदेश २ के संसदिय दलके नेता रामसरोज यादवके प्रमुख आतिथ्यमे विधिवत् शिबिरके शुरुआत कएलगेल छल । बेमारी सभकेँ उपचार एवं सेवा प्रवाहमे सहजी करणकर्ता समेतके रुपमे शिबिर ब्यवस्थापन समितिके सदस्यसभ सन्तोस यादव, मनोज साह , दिपक ठाकुर,गोबिन्द राय चन्दन, सम्झना वर्मा, बलराम गुप्ता, बलराम साह,अनुष पाण्डे, शशिभुषन झा, आशुतोष , मनमोहन साह, सत्यमसिंह ठाकुर,राजकुमार मिश्र,सहितक काँग्रेसी सहयोगीसभकेँ सहभागिता छल ।
स्वास्थ शिबिरमे स्थानीय सहयोगी युवासभमे राजिव ठाकुर,बिक्कि ठाकुर,नन्दन ठाकुर, याकुम राईन,रामनाथ यादव,मिथिला ठाकुर, मुकेश ठाकुर समेतकेँ सक्रिय सहभागिता छल । नेकाँ नगरसमिति जनकपुरधामके सभापति मनोज साह जनतब देने छैथ ।
प्रतिक्रिया