बलिप्रथा उन्मूलन पर जनकपुरधाममे बृहत् अन्तरकृया

२०७९ आश्विन १५, शनिबार १६:०४
सीमाञ्चल समदिया

  • 1
    Share

जनकपुरधाम । अन्धआस्थामे अलझल मानव देवी भक्तीके नाममे हजारक हजार पशुके बलि चढ़बैत आएल छै । जखनकि हमरसभके धर्म संस्कृति संस्कार अहिंसा परमो धर्मके छै तथापि जनकपुरधाम सन पवित्र भूमिमे बलि प्रथा नइ थैम रहल छै ।

 

बलिप्रथा अन्त कएल जाइ जीवहत्या बन्द कएल जाय एहि विषय पर आइयो अन्तरकृया एवं काव्य प्रवचन कार्यक्रम कएल जारहल छै ।
अखनु जनकपुरधामक जनकचौकमे जारी कार्यक्रम बलिप्रथा उन्मूलन अभियानके अभियन्ता भाई बिप्ती मण्डल मादे आयोजन कएलगेल छै ।

 

बिगत सोरहवर्षस’ निरन्तर मण्डल अन्धविश्वास एवं रुढ़ीबादी परम्परातग बलि प्रथाके अन्त कएल जाय एवं मानवीय धर्म निमाहल जाय लेल कृयाशील छैथ ।

 

कार्यक्रममे बरिष्ठ पत्रकार प्रेस स्वतन्त्रता सेनानी राजेश्वर नेपाली जतेक जतेक मानव शिक्षित भेल जाइत छै ततबे व्यविचारी दुराचारी एवं कुसंस्कारी भेल जाइत छै । बलिप्रथा बढाबा देब ओहिके परिणति छै बतौलाह ।

 

समाजस’ जुड़ल विषय रहने जावतधैर समाज एहिप्रति साकारात्मक नइ होएत ताबतधैर एकर अन्त होब नइ सकत । तैं साकाहार अपनाबी जीवहत्या बन्न करी से आग्रह बरिष्ठ पत्रकार नेपाली कएलाह ।

 

कार्यक्रममे मनरा सिश्वा नगर पालिकाके प्रमुख सात्वीक विचारक योगरथी मोहन पाण्डे ‘सनातन संसारके कोनो साहित्य बलि प्रथाके स्वीकृति नइ देने छै । तथापि मानव किए बलि प्रथामे उन्मुख भेल छै ओ नइ जानि ।

 

शाकाहार प्राणिजन्यके लेल सवोत्म बिकल्प छै ओहिके अपनाब पर सेहो मेयर पाण्डे बल देलाह । सन्त सत्यना्रायण आलोक, वार्ड नं.२३के वार्ड अध्यक्ष राबेन्द्र प्रसाद साह, युवा साहित्यकार अरबिन्द यादव सहितक सयकरो लोकक जमघटमे बलि प्रथा बिरुद्धक कार्यक्रम जारी छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया