बलानधारमे पुल निर्माण हेतु संयुक्त शिलान्यास

२०७७ भाद्र २४, बुधबार ०९:४६
सीमाञ्चल समदिया

  • 2
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । प्रदेश दू अन्तर्गत सिरहा एवं सप्तरी जिलाकेँ जोड़बाला नदिमे दूटा गामपालिकाकेँ संयुक्त प्रयासमे पूल निर्माण काजके शुभारम्भ कएलगेल छै । भगवानपुर गापाके सिनुरियाघाट एवं बलान-बिहुल गापा वार्ड नं.३ स्थित दूधैलाघाट जोड़बाला बलान नदिमे झोलुङ्गे पुल निर्माण काज लेल दूनु गापाकेँ अध्यक्ष संयुक्त रुपस’ बुधदिन ११ बजेमे शिलान्यास कएलाह ।

सिरहा जिलाके भगवानपुर गाउँ पालिका एवं सप्तरी जिलाकेँ बलान-बिहुल गाउँ पालिकाबीचकेँ जनताकेँ नीयमीत आबाजाहीमे अत्यन्त परेसानी उठाब परैत छल । बलान नदी-धारमे पुल नइ रहने कोसो दूर घूइमक आबत जाबत लोकके कर पड़ैत छल । अथवा जान जोखीममे राइखक नदि हेलक अइपार-ओइपार करबलेल दूनु जिलाके नदिकात गामकेँ आमजनता बाधित बनैत आएल छल ।
            
चित्र सहयोग- रामनारायण पण्डित

मिथिलाक्षेत्रक महिलाद्वारा मनाओल जाएबाला जनजातिय लोकपर्व ‘जीतिया’केँ अवसर पर झूलङ्गे पुल निर्माण काज हेतु एकटा समारोहबीच शिलान्यास कएलगेल । बलान बिहुल गापाकेँ अध्यक्ष दयानन्द गोइत आ भगवानपुर गापाकेँ अध्यक्ष बेचन प्रसाद यादव संयुक्त रुपमे पुल निर्माण हेतु विधिपूर्वक शीलान्यास कएलाह ।

दूनु अध्यक्षद्वय करनीस’ बालु सिमेन्ट राखैत पहिल पाथर बेराबेरी रखलाह । पुल बनला पछाइत जान-परान जोखिममे राखिक नदी हेलक अइपार –  ओइपार जाएब – आएब ओ बाध्यता हटत । पूल निर्माणमे अग्रसरता देखौला पर दूनु जिलाकेँ सीमाबर्तीक्षेत्रक जनता अत्यन्त प्रसन्न छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal.com
पञ्चतत्वमे विलीन सर्जक नेपालीके जीवन-संघर्ष बृतान्त
२०८० भाद्र १३, बुधबार ११:२०
सीमाञ्चल समदिया
युरोपके प्रवेशव्दारपर दलकीःसिरियाके हाल सेहो बेहाल
२०७९ माघ २६, बिहीबार १५:०९
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सम्वेदनशीलता दिश धनुषा जिला
२०७९ माघ २४, मंगलवार १८:१२
सीमाञ्चल समदिया
४ दिनस’ हरोर मचबैत आएल बाघ सीमापार धराएल
२०७९ पुष २८, बिहीबार १७:४६
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सप्तरी क्षेत्र नं.-२मे डा.राउतप्रति जनमत, यादव पछुआएल
२०७९ मंसिर ५, सोमबार १४:०३
सीमाञ्चल समदिया
पश्चिम नेपालमे फेर दलकी आएल
२०७९ कार्तिक २६, शनिबार २३:११
सीमाञ्चल समदिया