बलराम महतोकेँ उम्मेदवारीस’ दल ढोलकीयाके माथ चक्रराइत

२०७९ बैशाख १३, मंगलवार १७:०४
सीमाञ्चल समदिया

  • 266
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । मिथिलानगरि जनकपुरधाम राजनीतिक हरेक परिवर्तनमे अग्रसरता लिअबाला परम पवित्र भूमि सेहो छै । अखनु स्थानीय निकायक निर्वाचन एहे बैशाख-३० गते हुअ जारहल छै ।

सयकड़ो उम्मेदवार चुनावी मैदानमे कूदल छै । सबहक ध्यये एक छै जनसेवा । जनउसास । मुदा जनभरोस पर सही उतरबाला काज अखनुधैर विशेषक जनकपुर नगर पालिकामे कोनो मेयर नइ कर सकलाह ।

तेकर कारण छै जनकपुर नगर पालिकामे दलगत उम्मेदवार रहल मुदा ई बिडम्बने कहल जाय ! कहियो कोनो दलके उम्मेदवार मेयर बनके सौभाग्य नइ पौलक ।

संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र नेपाल भेला पछाइत जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका बनला पर तत्कालीन ‘राष्ट्रिय जनता पार्टी नेपाल’ के बैनर पर २०७४ सालमे लालकिशोर साह मेयर पदमे वीजयी भेलाह ।

प्रजातान्त्रिक आन्दोलनमे सामेल जेलनेल भोगल, अनेक पीड़ा सहने । जनताके बीच हरेक दुखः भोगने साह सन लोक जनविश्वास जीतमे सफल रहलाह ।

जाहि जनमतस’ ओ विजयी भेलाह ओहन जनवादी लोक, अपन कार्यअवधिमे जनताके आशिष नइ बटोर सकलाह । डिकटेर भगेलाह ।

जनताकेँ जन्तु जकाँ बुइझक प्रायः सभ नगरवासीके उमेद पर इन्होर ढारब काज मात्र कएलाह । जेकर भुक्तान हुनका अइबेरके चुनावमे करहि पड़तैन ।

हुनक कार्यशैली, जनताप्रतिके गैर जवाबदेहपूर्ण रबैया रहल । जेना बीरतामे मेयर पद भेटल होइ आ जनता हुनक रैती रहै ।

अनेक कुवाणीसभकेँ कारण जनताके कसौटी पर साह सही मेयर नइ उतैर सकलाह । जाहि समुदायके ओ छैथ ओहि समुदायोकेँ उपर धब्बा लगाबके कुचेष्टा कएलाह ।

एकटा दलके सक्षम नेता अपन नीहित स्वार्थमे लाइग गेलास’ आन दलके नेता, ओकर उम्मेदवार सेहो तेहने संख्खाकेँ घेराबन्दीमे केना पड़ैत छै,ओ अनुभूति एमकीके निर्वाचनमे आन उम्मेदवारकेँ कर’ पैर रहल छै ।

‘दूधके पाकल बिलाई घोरो फूइकक पीबैत छै’ तेहनासन अवस्थामे जनकपुरधाम के जनता अइबेर सचेता अपनाबैत दलवादीके नइ ; दल ढोलकीयाके नइ ; स्वतन्त्र उम्मेदवार पर नजैर टीकौने छै  !

अहुना अइबेर पाँच दलीय गठबन्हनके नाममे दलसभकेँ सुच्चा कार्यकर्ता उम्मेदगर उम्मेदवारसभकेँ बाइर देलगेलास’ बिद्रोही-स्वतन्त्र उम्मेदवारसभकेँ संख्या अधिक छै ।

केओ लौलवस, केओ दलीय लगाबस’ अपनाके कटल बुइझक, केओ दलीय आन्तरिक सह पर एवं किछुए मात्र उम्मेदवार जनभल लेल स्वतन्त्र उम्मेदवार बनल छै ।

मेयर पदमे तेहने नामी, समाजसेवी जनउसासी एकटा उम्मेदवार  छैथ— कर्मनिष्ठ समाजसेवी  ‘बलराम महतो’ ! हिनकालग लक्ष्मी छै, सरस्वति छै, विव्दत् वर्गके जमात सेहो हुनकालग छै । जनसमर्थन जुइट रहल छै ।

मेयर बनताह त’ कमीशनलेल घमर्थन नइ हएतै । ओ घोषणा कए चुकल छैथ — ‘हम नगर पालिकस’ कोनो तरहके सुविधा नइ लेब ! गाड़ी-वाहन समेत उपयोग नइ करब ! विकास मात्र विकास करब । सड़कके, समाजके, अस्पतालके, शिक्षाके, स्वास्थ्यके, संस्कृतिकेँ, आदि ’ !

अहितरहके मुद्दा ल’क’ समाजसेवी महतो जनजनकेबीच जारहल छैथ, अपन भाव ब्यक्त करैत विकासी योजना जनकपुरके सुन्दर भविष्यके रणनीतिक योजना सुझा रहल छैथ ! लोक विश्वास करहल छै अइबेर मेयरके मत महतोकेँ !

ई नेता नइ छै जे झूठ बाजत, हिनक नेत सोझ छै, किछु अरबैसक चमत्कारी काज महतो करताह, जे जनकपुरधामके हितमे होएत । जनकपुरीयाके हितमे रहत ! तेहन लोक नगरके कमान सम्हारक होए ओ आशिष लोक हृदयस’ दैए रहल छै ।

ई खेरहासभ देखक दलीय राजनीतिक कएनिहार सत्ता आ सरकारमे सन्हियाएल सभमे सेहो हड़कम्प मैचगेल छै , बलरामके उम्मेदवारीस’ ! ई धनपति मेयर बनत त’ जैम जाएत । जनभरोस तेहने भगेल छै ।

जौं बलरामसन लोक राजनीतिमे जमत त’ दलीय दूधारे नीति नइ चलत ।जनताकेँ अधिकार-पहिचान, मान-सम्मान आ उत्थानके बात क’क’ ठाउँ पकरला पर अपन टेंट भरैत आएल आ कार्यकर्ताके कौरा फेकैत आएल नेतघट्टा नेतासभके नेतगीरी चौपट भजात ।

ताहि हेतु समाजसेवी महतोकेँ उम्मेदवारीस’ दल, दलवादी ओकर ढोलकीयासब नरछरा रहल छै । जेना नरछुत छू देने होए ।

भ्रम सृजनाक काज सेहो करत जे राजनीतिककर्ताके हथियार होइत छै । ओहि भ्रमके काट सेहो समाजसेवी महतोकेँ राख पड़तै !

ओना सही काट त’ असलमे जनते होइत छै । जनकपुरकेँ फेर एकबेर देखाबके छै दलजनबाला स’ भल नइ भेल ! जनउसासी जनप्रतिनिधिस’ भल होएत । ओ महतो सन स्वतन्त्रे लोक करत । लोक विश्वास ओहन बैन रहल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

रौदिया अवस्थामे धान दिवस
रौदिया अवस्थामे धान दिवस
२०८० असार १६, शनिबार १०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
नवपरिवर्तनकारी पक्षधर दलके नेतासभ नेपालीके दर्शन कएलाह
२०८० बैशाख ३१, आईतवार १६:५९
सीमाञ्चल समदिया
अमर शहिद झाके शालिक खाड़ करब हेतु स्मारक निर्माण शुरु
२०७९ माघ १५, आईतवार २२:१४
सीमाञ्चल समदिया
तीनमन्त्री सहित मुख्यमन्त्री यादव सपथ खयलाह
२०७९ पुष २९, शुक्रबार २१:४४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
जसपा नेपालके संसदीय दलके नेता चयन
२०७९ पुष २५, सोमबार १६:०२
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal
भाषा विवादमे दुरजरु होइत डा.सी.के.राउत
२०७९ पुष १३, बुधबार २२:०८
सीमाञ्चल समदिया