सीमाञ्चल समदिया, जनकपुरधाम । महोत्तरी जिलाके बर्दिवास नगरपालिकामे कोभिड-१९के जाँच नगरपालिकाव्दरा किनल मशिनस’ शुरु कएल गेल छै ।
अइतरहें देशमे सम्भवतः बर्दिवास नपा पहिल एहन नगरपालिका छै, जे स्वयं मशिन कीनक जाँच शुरु कएलक । तत्काल १०गाटेकेँ मात्र स्वाव सकंलन क’क’ जाँच आगु बढाओल गेल छै ।
कोरोनाकेँ लक्ष्ण देखार भेलहासबकेँ पीसीआर जाँच शुरु कएलगेल छै । जनताकेँ अपेक्षा अनुसार नगरपालिका निशुल्क जांच अपन कीनल मशिनस’ कएला पर मेयर बिदुरकुमार कार्की जनतास’ बाहबाही लुइट रहल छै ।
तीनदिन आगु मशिन बर्दिवास स्वास्थ्य केन्द्रमे स्थापना कएलगेल । दशगोटेको स्वाब संकलन क’क’ जाँच कएलगेल छै । फाइनल रिर्पोट काठमाण्डौस’ केहन आबैछै तेकराबाद जाँचक दायरा बढाओल जाएत आ निरन्तरता देल जाएत । बर्दिवास नपा वार्ड नं.१२के अध्यक्ष रामकिशोर साह जनतब देलाह ।
प्रतिक्रिया