सीमाञ्चल समदिया
भारतीय चाइरचक्किया बाहनकेँ वर्षभैरमे एकमहिनाकेँ मात्र प्रवेशक अनुमति दिअके कानुनी प्रावधान छै । एकमहिना अर्थात् ३० दिनके बाद एकत्तिसम् दिनमे तेहन बाहनकेँ भन्सार नइ काटल जाइत छै आ पकैर राखब आ लीलाम कदेब तेहनो प्रावधान छै । तथापि एक्कहिटा चालक बेर-बेर एक्कहि रंगके बाहन नेपालक सड़क पर कुदबैत रहैत छै ; तेहनो देखल जारहल छै । ई बाहन भारतस’ नेपाल कोना, कोन चोरबगलीस’ आइब जाइत छै ।
जनकपुरधाम, जलेश्वर, शहिदनगर, पीपरा, सबैला आदि नगरक्षेत्रमे एक्का-दुक्का सवारीकेँ संगेसंग सीमाबर्तिक्षेत्रमे विशेषक भारतीय नम्बरप्लेटक चाइरचक्किया गाड़ी निषेधित अवस्थामे सेहो दौगैत देखल जाइत छै । धनुषा जिलाकेँ जटही, पूmलगम्मा, नगराइन, डेबडिहा, तुलसियाही, इटहर्वा, बैदेही, ठाढी-झिझा, इनर्वा, भिषरभोरा, कठाल, खजुरी आदि ; एवं महोत्तरी जिलाकेँ मटिहानी, पीपरा, धीरापुर, आबर, पर्सा, सुगा, सिमरदही, खैरा भिठ्ठा, कट्टी, धबौली, मनरा, एकडारा, बधनाहा, सुन्दरपुर मगरथाना, पोखरभिन्डा, सम्सी सहितक सीमाक्षेत्रके गामसभमे भारतीय नम्बर प्लेटक छोटका बाहनसब नुका चोराक लोक रखने छै आ बेरकुबेर आवश्यक पड़ला पर चलाबैत छै । केओ पोआरक टालमे झांपिक, केओ बघारामे त्रिपालस’ झाँइपक, केओ पूmलवारीमे तोपिक रखने छै ।
भारतीय बजारमे नेपाली बजार भावस’ पाँचगुण कम मूल्यमे बिक्री बितरण हुअके कारण समाइत नइ भेल सेहो लोक भारतीय नम्बरक गाड़ी कीन लैत छै । आशानस’ नेपालक सडक पर चलैबो करैत छै । नेपाल भारतक बेटी-रोटी आ रोजी-रोटीक सम्बन्ध रहने एकर माइर प्रत्यक्षरुपस’ देशक राजश्वपर पड़ैत छै । जाहिमे सजगता अपनाएब आवश्यक छै ।
नेपालमे २५ लाख परएबाला बाहन भारतमे पाँच-सात लाखमे भेट जाइत छै । ओहो किस्ता पर सेहो । तैँ सीमापार सर कुटुम्ब आ नातागोताक नाम पर बाहन किन लैत छै । आ नेपालमे प्रवेश कराक लगनपाती समेतमे नीक रकम कमाइत छै । भारतमे इएमआइ(किस्ताबन्दी लोन) नइ चुकाब सकल । त’ गाड़ी चोरी समेतकेँ बहाना बनाक जोगल रहल । कम्पनी गाडि़ नइ देखला पर शान्त भेल रहैत छै । गाड़ी नेपाली भूमिमे जोतारहल होइत छै अथवा नुका चोराक राखल रहैत छै । तेहनो खेलाबेला सब होएत छै ।
२०६६/६७साल दिश धनुषाक एसपी शर्बेन्द्र खनाल रहल9बेरमे भारतीय नम्बर प्लेटक गाड़ीसभकेँ खोज तलास कएलगेल छल । जाहिमे सयोटा अबैधानिक रुपस’ नेपालमे चलारहल बाहन धराएल छल । आब फेर ओहि तरहें सोध खोज क’क’ भारतीय नम्बर प्लेटकेँ जीप-गाड़ीसभकेँ कानुनी दायरामे लाइबक राजश्वछल्ली करैत आएल लोक पर नकेल कसल जाए चाही । अइमे धनुषा प्रहरी, महोत्तरी प्रहरी आ सिरहा प्रहरीकेँ सोगजगर पहल करक चाही ।
प्रतिक्रिया