बन्दाबन्दीमे जंगलस’तस्करी,वनरक्षकसभ लकड़ी पकरलक

२०७८ जेष्ठ ४, मंगलवार १५:२२
सीमाञ्चल समदिया

  • 13
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । कोरोना महामारीके कारण देशमे बन्दाबन्दी जारी छै । बन्दाबन्दीके अखनुका समयमे सेहो जङ्गलस’ कटानी कएल काठ-लकड़ीके तस्करी जारी रहल छै । एहन बात वन कर्मचारीव्दारा पकरलगेल लकड़ीस’ पोल खुजैत छै ।

मङ्गलदिन धनुषा जिलाके लालगढ़ स्थित सवडिभिजन वन कार्यालयस’ खटल सशस्त्र वनरक्षक गस्ती समूह जङ्गलस’ कटानी कएल काठ-लकड़ी लजारहल क्रममे पकरबमे सफल भेल ।

सबवन अधिकृत मदन चौधरीकेँ नेतृत्वमे खटल सशस्त्र वनरक्षक समूह एवं वन कर्मचारीसमेतकेँ सहयोगमे १०टा सखुवाके खम्नी (तछुवा फल्ली) एवं एकबोझा जाड़ना पकरबमे सफल भेल छै ।

जङ्गलस’ कटानी कएल लकड़ी ल’क’ जाइत क्रममे काठ कटान कए तस्करीकर्ताकेँ गस्ती समूह पर दूरस’ नजर पड़ला पर मोती धारमे  काठ छोइरक भाइग गेल ।

तेकरबाद बेवारिस अवस्थामे रहल ओ काठसभ मोती धारस’ वन कर्मचारी उठाक आनलक । डिभिजन वन कार्यालय धनुषाके कर्मचारी बैजनाथ सिंह सीमाञ्चल समदियाकेँ जनतब देलाह ।

बन्दाबन्दीके समयमे जङ्गल कटानी बढ़ब आ तस्करी होएब ओ सम्भावना अधिक रहने डिभिजन वन कार्यालय वन अनुगमनमे तिब्रता अनने छै,सेहो बुझएमे आएल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया