सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । देशमे चाहे जेहन व्यवस्था कायम भजाओ कर्मचारीतन्त्र कही अथवा विधिव्यवस्था कायम कर्ता, व्यवस्थापन एवं पालनकर्ताके कार्यशैलीमे सुधार नइ आब सकल छै ।
कोरोना महामारीके जोखिमपूर्ण समयस’ सभ गुजैर रहल छै । दशैंके समय लगचियाएल छै । तेहन समयमे कर्मचारीके हेरफेर बदली पुरने ठर्रा अनुसार जारीए छै । ककरो थीर भ’क’ साल दूसाल एकठाम नइ रहए देल जारहल छै । प्रतेक चौमासिक बजेट प्रबाह होइते प्रायः पालिकासभमे प्रमुख कर्मचारीकेँ बदली कएल जाइत छै । अइस’ फरिछाइत छै जेना बजेट मूँह मीलान लेल एना कएल जाइत होइ ।
सेवाग्राही अलगे छगुन्तामे पैर जाइत छै । खाशक प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत एवं लेखाप्रमुख कर्मचारी स्थानीय पालिकासभमे बदली होइत आबैत छै । भेटल जनतब अनुसार अइ आश्विन महिनामे प्रायः नगरपालिका गाम पालिकामे प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत अदला बदली कएल गेल छै ।
धनुषा जिलाकेँ शहिदनगर नगरपालिकामे प्रमुख प्रशाकीय अधिकृतके रुपमे शत्रुध्न यादव बृहस्पति दिन पदभार ग्रहण कएलाह । युवा जोशिला जाँगरिला मेयर उदय कुमार बरबरिया यादव सहितके कर्मचारी सभ प्रमुख प्रशाकीय अधिकृत यादवके माला पहिराक, फूल उपहार द’क’ अबीर चानन लगाक नपा परिवार कार्यालयमे स्वागत कएलाह ।
धनुषा औरही गाउँ पालिकामे कार्यरत् सन्तोष शर्मा महोत्तरीके मटिहानी नगरपालिकामे प्रमुख प्रशाकीय अधिकृतके रुपमे परसुखन हाजिर भेलाह । औरहीमे दोसर केओ आएल ।
बटेश्वर गाम पालिकामे प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत रहल सावन कुमार चौधरीकेँ बटेश्वरस’ पिपरा गापामे बदली भेल छै ओहो ओतह काम कए रहलाह । ई किछु उदाहरण लेल मात्र छै । अधिकांश ठाममे प्रमुख प्रशासकीय अधिकृतकेँ एकठामस’ दोसर ठाम बदली कएलगेल छै ।
प्रतिक्रिया