बजार खुइजते पियाउजके भावमे अगराही लागल

२०७७ भाद्र ३१, बुधबार १८:१३
सीमाञ्चल समदिया

  • 9
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । बन्दाबन्दी खुजबके घोषणा होइत पियाउजके भावमे अगराही लागल छै । ओना अल्लु सहितके आनो तिमन तरकारीकेँ मोल बजार खुजला पर आकास छुब लागल छै । दू दिन पहिने धैर ४०-५० टके बिक्री होइत अल्लु -६० टाका किलो पुंगल छै । ततै ५०-६० रुपैया किलो बिक्री होएत आएल पियाउज ९०-११० टाका किलो आइ पुंइग गेल छै ।

अल्लु पियाउज बिक्रेताक कहब अनुसार सीमापार भारतस’ आबबाला पियाउ, अल्लुसभ ओतहि महग भगेल छै । पियाउज आयात पर प्रतिबन्ध जकाँ लाइगगेल छै । तहीस’ नेपाली बजार जनकपुरधाममे भाउ अधिक भेल तर्क दैत छैथ बेपारी कैलाश नायक । मुदा उपभोक्ताक कहब छै आब बन्दी खुजल छै, मात्र औपचारिक घोषणा बांकी छै । तेहनमे व्यापारी सभ मीलीभगतमे कृतिम अभाव सृर्जना क’क’ दाम बढ़ा बेचब शुरु कएने छै ।

आयत नइ भरहल छै त’ बस्तु नइ भेटक चाही । मुदा से नइ छै जतेक चाही ततेक पियाउज भेटत मात्र मूल्य बिक्रेता अनुसार दिअ लेल क्रेता तयार रहो । आश्नि आइब गेल छै दशैं सहितके पर्व त्योहारसभ आब लागल छै, बस ओइसभके देखैत बजारमे कृतिम अभाव कायम कएल गेल छै । उपभोक्ताकेँ ठकब लेल पैघ-होलसेलर बेपारीसभ एहन नियोजित खेल शुरु कएलक अइ ।

कोरोनके कहरस’ अहुना आधाबरिसस’ बन्दा-बन्दीकेँ अवस्थामे सर्वसाधारण, उपभोक्ता पिसाइत पेराइत आएल छै । आम्दानी सून्य पर लोककेँ झैरगेल छै । कहुनाक खर्च जोरबमे लोक अपंसियांत छै । ओइ परस’ एका एक दैनिक उपभोग्य बस्तु पीयाउज अल्लु सन खाद्ययकेँ महंगी होएब भयाबह अवस्था सृर्जना करब सन काज छै ।

अइ महंगी पर स्थानीय प्रशासन जागरुक होए , आ उपभोक्ता हितकेँ संरक्षण हेतु काज करए । एककेँ तिन करैत आएल किछु बेपारीसबके कारण एहन कृतिम अभाव कायम क’क’ धन उगाहीके नवमाध्यम त’ नइ बनाओल गेल छै । जखन कि नेपालक राजधानीमे पियाउजकेँ दाममे बढोत्तरी नइ भेल छै । जनकपुरक बजारमे मात्र ओहो एकाएक किलो पर शतप्रतिशत मूल्य बृद्धि कएलगेल छै । जे गरी आ मध्यम बर्गके लोककेँ डाढ़ थकुइचक राइख देत ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया