बजलाह ओली ‘एमालेके लोकप्रियतास’ देउवा-प्रचण्डके मूँह सुखाएल’

जन्मसिद्ध नागरिकके संतानके वंशज नागरिकता देबके पक्षमे एमाले छै

२०७९ भाद्र २७, सोमबार १८:१५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com

  • 14
    Shares

जनकपुरधाम । नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी एमालेके आइ अखनु मिथिला नगरि जनकपुरधाममे अमसभा एवं पार्टी प्रवेश कार्यक्रम समापन भेल छै ।
जनकपुरधामके तिरहुतिया गाछीमे सभा भेल ।

 

सभामे नेकपा एमालेके केन्द्रिय अध्यक्ष एवं पूर्व प्रधानमन्त्री खडुग प्रसाद शर्मा ओली(केपी शर्मा ओली) अपन धारना राखैत एमाले तराईवासी नेपाली के बिरोधी नइ छै । अखुनका नागरीकताके सवाल पर एमालेके बदनाम करब काज भरहल छै । जे सरासर गलत छै ।

 

जन्मसिद्ध नागरिकके संतानके वंशज नागरिकता देबके पक्षमे एमाले छै । जन्मसिद्ध नागरिकके संतानके वंशजके आधारमे नागरिकता देल जाय, एहन मात्र विधेयकमे बात लीखक लाबो गठबन्धन दल एमाले काल्हीए ओ विधेयक पास करत । मुदा ओहिसंगे राष्ट्रियता नेपालीके स्वाभिमानस’ खेलबसन काज करत त’ एमाले बिपक्षमे खाड़ रहबे करत । दूटूक शब्दमे नेता ओली बजलाह ।

 

तराईवासी-मधेशीके नागरिकताके सबालमे सबदिनस’ मधेशवादी आ काँग्रेसीए दल ठकैत आएल छै । से आश्य ब्यक्त करैत गठबन्धनके सरकार नागरिकता देबके पक्षमे नइ छै से बुझल जाए ! बरु नागरिकताके समस्यामे जनताकेँ ओझराक राख चाही रहल छै ।

 

आ राजनीतिक सुतार बैसाब चाहैत छै । ई बात अहासुन बुझु से सुझाबके काज एमाले नेता ओली कएलाह । एमाले मधेश बिरोधी नइ छै ! जनकपुरधाम सहित मधेशमे सड़क, खानेपानी,रेलमार्ग निर्माण सञ्चालन सहितके विकासी काजके एमाले सरकारके समयमे सभस’ बेसी भेल छै ।

 

अपन अपन छातीपर हात राइखक सोचु त’ आपरुप बुझमे आएत । आगामी ८ गते फेर धनुषा क्षेत्र नं.२के सभामे हम आएब से बात करैत एमाले अध्यक्ष ओली

 

संसार अन्धकारमय रहल समय एहि पावनभूमी जनकपुरधाममे ज्ञानके प्रकाश पाइबक संसार इनलाइट भेल छै । मुदा अखनु शासकिय स्वार्थके कारण जनकपुरधाम स्वयम् अन्धारमे डूबैत जारहल छै ।

 

एहि दिशामे साकारात्क काज कएल जाय चाही तेकर दरकार छै । सेहो धयानाकर्षण नेता ओली अपन सम्बोधन मादे सहभागीसभकेँ करौलाह ।
मधेशमे हमरा बिरूद्ध भ्रम सृजना कदेलगेल छै ।

 

जाहि ओहस’ किछु युवाजन भुलवश कारीझण्डा देखाबके प्रयास कएलक , जिनकासभके प्रहरी पकैर लेने जनतब भेटल । लोकतन्त्रमे अपन अपन भाव अभिव्यक्तिके स्वतन्त्रता छै तै से पकरलगेल लोकसभकेँ छोइर देल जाय, हम प्रशासनस’ आग्रह करैत छी ! सेहो बात मञ्चस’ नेता ओली कहलाह ।

 

आगामी अगहन ४ गते हुअबला चुनावमे एमाले जनकपुरक चारू सिट सहित देशभैरके सातो प्रदेशमे नेकपा एमाले बहुमत आनत । ताहिु प्रति लोकके विश्वस्त ओ करौलाह ।

 

एहिबेरक निर्वाचनमे जौं गठबन्धन धोकोस’ आइबगेल त’ देशके स्वाधिनता कमजोर भजायत,समृद्ध नेपाल आ सुखी नेपालीके सपना पूरा कहियो नइ होएत । तहि दुआरे लोक एकटा निछुन पार्टी नेकपा एमालेके पक्षमे आइब गेल छै ।

 

एहिबातके जनतब भेला पर नेकाँ नेता शेरबहादुर देउवा आ माओवादी नेता प्रचण्डके मुंह अखनेस सुइख गेल छै । सेहो ब्यग्यवान नेता ओली अपन सम्बोधन मादे चलौलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
नगरमे तिन-तिन ठाम भव्य नागपुजा
२०८० भाद्र ५, मंगलवार ००:०३
सीमाञ्चल समदिया