सीमाञ्चल समदिया
सुवोध स्मृती फोटो पत्रकारिता पुरस्कार-२०७७ अइबर्ष मध्यनेपाल पत्रिकास’ सम्बद्ध सम्बद्ध महिला पत्रकार कविता खड्काके प्रदान कएल गेल छै ।
प्रदेश-२के आर्थिकनगर बीरगञ्जस’ प्रकाशित ‘प्रतीक’ दैनिकके कार्यालयमे आयोजित एक कार्यक्रममे प्रतिकके प्रधानसम्पादक जगदीश शर्मा २५ हजार टाका नगद रकम सहित दोसल्ला ओढाके सम्मान करैत पत्रकार खड्काकेँ प्रमाणपत्र प्रदान कएलाह ।
हेरकवर्ष कार्यदक्षताके अधारमे पत्र-पत्रिकामे प्रकाशित फोटो मादे नीक पोटो छनोट क’क’ एकगोटेकेँ प्रतिक परिवार पुरस्कृत करैत आएल छै । प्रतीक दैनिकके चौत्तिसम् वार्षिकोत्सवके अवसर पर सोमदिन पत्रकार कविता खड्का पुरकृत कएलगेल छै ।
फोटो पत्रकारिता पुरस्कारस’ सम्मानित खड्का २०७३ सालस’ मध्यनेपाल सन्देश पत्रिका एवं मध्यनेपाल अनलाईन अपन नेतृत्वमे सञ्चालन करैत आएल छैथ । पत्रकार खड्का विग्त ३ वर्षस’ प्रतिश्पर्धामे सामिल होइत आएल छलीह । अइवर्ष पुरस्कृत हुअकेँ अवसर जुड़लैए । जाहिस’ ओ अत्यन्त प्रसन्न भेलीह आ पुरस्कारस’ निरन्तर लागल रहब लेल थप प्रेरणा देलक ओ बतौलीह ।
कोरोना महामारीके समयमे अहोरात्र सेवा प्रदान करैत आएल स्वास्थ्यकर्मी, सफाइकर्मी, सुरक्षाकर्मी एवं अन्य किछु सञ्चारकर्मीकेँ सम्मान सेहो कएलगेल । अइस’ पहिने इपुरस्कार राम सर्राफ, राम क्षेत्री, उत्तम खडगी, जीतलाल श्रेष्ठ, मनीष पौडेल, जीयालाल साह, प्रवीण मानन्धर, प्रणय साह, विजय चौहान, अरविन्द अमात्य, पंकज श्रेष्ठकेँ प्रदान कएल जाचुकल छै ।
प्रतिक्रिया