जनकपुरधाम । ‘जनकपुरधाम उपमहानगर पालिकाव्दारा फूटपाथ अतिक्रमण क’क’ ब्यापार ब्यवसाय संचालन करैत आएल सभके हटाबके काज कएलाह पर आपसी घमाशान भेल छै ।
बृहस्पति दिन जनकपुरधाम रामचौक पर नगरप्रहरी फूटपाथस’ समान हटौला पर नगर प्रहरीके बिरोधके सामना मात्रे नइ कर पड़ल माइर सेहो खाय पड़ल छै ।
सामाजिक सञ्जाल सभमे सार्वजनिक भेल दृश्य देखक अतिक्रमणकर्तासभके मनोबल उच्च देखल गेल । जाहिके पाछा स्वयं किछु समाज सुधारक युवा कमिटीसभ लागल बात फरिछाएल देखाएल बोध भेल ।
कानुनी राज्यमे कानुनके पालन करब हरेक नागरिकके कर्तव्य होइत छै । तहिना कानुनके भय सेहो लोकमे होबक चाही । तखने कानुनके पालना होएत । जौं से नइ भेल त’ अराजकता जन्म लेत आ नगरके गौरव गरिमामे ग्रहण लागत ।
आजुक फूटपाथ अतिक्रमणकारी दोकनियांसबके रबैया देखक एवं नगर प्रहरीके गाडि़मे चैढ़ मारब दृश्य भविष्यक अराजकताके संकेत बोध सेहो करबौलक ओ बुछनीक लोक ठहर करैत छैथ ।
कोना टटका नेपाली अपन हेंज बनाक नपाके नीयम कानुन नइ मानब अपन खुशी जतह मोन होएत दोकान छानब राखब आ हटाब अएला पर झगरा-दन करैत प्रहार करब ओ ओहि बातके टेलर देखाबके काज कएने छै ।
तैस आरो नइ त’ सविकाहा लोकसभके वा जिनका जनकपुर सुन्दर स्वच्छ साफ रहे तेहनसभके एहिदिश बकार खोलक चाही । अन्यथा सुच्चा जनकपुरीयाके भविष्य सेहो अन्हारमे पड़ैत जाएत । लुच्चाके बर्चश्व कायम होइत जाएत ओ निश्चित छै । सचेतना सबके लेल आवश्यक छै ।
राममन्दिरके सौन्दर्यीकरण लेल हालहि २५ लाख टाका रकम नगरपालिका सहितके निकायके ब्यय भेल छै । मुदा मन्दिरक दशा बिगारके दृश्य देखलास’ स्वतः बुझाइत छै ,केहन आ कथिके विकास भे छै ! राममन्दिर नइ कोनो दरबारी मेला लागल पार्क होए ओ बोध होइत छै ।
एतुका धर्म संस्कृतिके बृद्धि नइ दग्गलग्गु बनाबके आ धरोहरके नाश करके काज कएल जारहल छै । मुदा स्वयं नगरपालिका,बृहतर जनकपुरक्षेत्र विकास परिषद्, स्थानीय प्रशासन सेहो गुम्मी लदने छै ।
प्रतिक्रिया