प्रदेश दूमे जनताके देहरीपर काँग्रेसी उम्मेदवार यादव

२०७९ कार्तिक २५, शुक्रबार २२:४६
सीमाञ्चल समदिया

  • 7
    Shares

जनकपुरधाम । आगामी अगहन-४गते होब जारह प्रतिनिधिसभा एवं प्रदेशसभाके निर्वाचनके समय जतेक जतेक लगचियानी दिश जारहल छै ततबे उम्मेदवारसभ अपन चुनावी गतिविधि तिब्र कएने जारहल छैथ ।

 

जनपतियार बनाब लेल अपनापक्षमे मतदान करब हेतु धनुषा क्षेत्र नं.२मे प्रतिनिधिसभाके उम्मेदवार,नेपाली काँग्रेसस’ आबद्ध रामकृष्ण यादव अपन क्षेत्रके दुर्गम गाम सभमे पुंइग रहलाह ।

 

निर्वाचनक्षेत्रके अवलोकन भ्रमण क्रममे शुक्र दिन धनुषा जिलाके पूर्वीक्षेत्रके कमला नगरपालिकाक्षेत्रमे सीमाञ्चल समदिया पुंगल । जतह हथमुण्डा, लक्कर, हरिने, आदिगामसभमे जनमतके लेल यादव अपन धारना राखैत मत मांग करहल छलाह ।

 

नेकां उम्मेदवार यादव-‘संविधानके रक्षाालेल, वर्तमान लोकतान्त्रिक व्यवस्थाकेँ संस्थागत सुदृढीकरण करब हेतु, जनताके भावना अनुसारके विकास करब लेल, देशमे शान्ति,सुव्यवस्था एवं सुशासन प्रवद्र्धन लेल काँग्रेसकेँ पक्षमे मतदान कएल जाए आ हमरा जिताएल जाए ओ आश्ययुक्त अभिव्यक्ति जनता समक्ष दैत देखल गेलाह । धनुषा निर्वाचन क्षेत्र नम्बर २मे अपनेक प्रतिद्वन्दीके छैथ ?

 

ओ जिज्ञासा कएला पर नेकाँ नेता यादव बजलाह ‘हम अप्पन प्रतिस्पर्धामे हम बस हम अपने छी । आओर गोटे सभ उम्मेदवार मीलाक २० प्रतिशत होएत त’ हम एसगरमे २० प्रतिशत छी, तबुझल जाए हम प्रतिस्पर्धामे कतेक आगु छी’ !

 

जनताके घरेहरी पर गेला पर सबहक सिनेह पाइब रहल छी । ओ माया सिनेह हमरा ओहिना नइ भेट रहल छै । हमर काज व्यवहार एवं विगतमेअपन क्षेत्र लेल कएल विकासके परिणतिके सुफल छै । जनता मूल्यांकण सही रुपमे करहल छै हमर जीत सुनिश्चित छै, नेता यादव दाबी करैत कहलाह ।

 

यादवसंगे सबल प्रतिस्पर्धामे रहल एकटा उम्मेदगर उम्मेदवारके नाम लेला पर प्रतिनिधिसभा उम्मेदवार काँग्रेसी युवानेता यादव कहलाह-‘पाँचवर्षमे पाँचटा पार्टीमे घुस आ बहराएबाला नेताके जनता चिन्ह गेल छै ।

 

हम छिु नइ कहबै अगहन-४गते जनते अपन मतमादे सही जवाब ददेतै,बजलाह । नेपाली काँग्रेस जेहन लोकतान्त्रिक समाजवादी दलके हम सीपाही छी विगतमे रहल छोड़ल सभटा विकासी काज पुरा करुब ।

 

शिक्षा, स्वास्थ्यक्षेत्रमे ुधार आनब प्रयास करब । बेरोजगारी समस्या छै, स्वदेशमे रोजगारउपल्बध होए ओहन प्रयास करब । सामाजिक विसंगतिसभके दूर करब एवं आनआन आरोब विषय बातकेँ समयानुकूल सुधार करैत आगु बढ़ब ओहन निरन्तर प्रयास होएत रहत । पाँचवर्ष भित्र हमरक्षेत्र जगमगाइत रहत सेहो धारणा ब्यक्त कएलगेल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया