प्रतिबन्धित अस्त्र संगे मिर्चैयामे तीनगोटे धराएल

२०७७ भाद्र २०, शनिबार १२:५७
सीमाञ्चल समदिया

  • 2
    Shares

सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम ।  प्रदेश-२के सिरहा जिला अन्तर्गत मिर्चैया नगरपालिकास’ नलकटुवा पेस्तोलसहित तीन गोटे युवाकेँ प्रहरी पकरल , से जनतब देलगेल छै । मिर्चैया नपा.वार्ड नम्बर ५ बाह्रबिघामे चेकजाँच करब क्रममे प्रहरी मोटरसाइकिलमे सवार दूटा युवककेँ प्रतिबन्धित अस्त्र पेस्तौल सहित शुक्रदिन राइतमे पकरलक, प्रहरी जनौने छै ।

को ३५ प ४०१३ नम्बरके मोटरसाइकिलमे सवार मिर्चैया नपा. वार्डनं. ६ रहनिहार १९ वर्षीय अजय शर्मा, मिर्चैया नपा वार्ड नं.५ रहनिहार १९ वर्षके ज्ञानुकुमार मण्डलकँे संग तलासी कएला पर एकटा नलकटुवा पेस्तोल भेटल ।

प्रहरीव्दारा पक्राउ परल शर्मा आ मण्डलकेँ पुछताछ पछाइत मिर्चैया नपा वार्ड नं.५ मे किराना दोकान करैत आएल व्यवसायी ३९ वर्षीय रमेश साहकेँ समेत प्रहरी पकैरक कार्यवाही आगु बढौने छै । जिला प्रहरी कार्यालय सिरहाके प्रहरी प्रवक्ता बिनोद घिमिरे अइ बातके जनतब आइ पत्रकारसभकेँ देने छैथ ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

Ramsish das _Bivek das
पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक
२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया