सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । पत्रकारीताक्षेत्रस’ सम्बद्ध पत्रकार-प्रकाशकसभकेँ संझिया संगठन ‘‘प्रकाशक महासंघ नेपाल’’ के नवपदाधिकारीके चयन एवं घोषणा एकटा समारोह बीच कएलगेल छै ।
किछु महिनापूर्व पत्रकार प्रकाशक उपेन्द्रभगत नागवंशीके सभापतित्वमे गठीत प्रकाशक महासंघके चयनीत कार्य समितिके नवका अध्यक्ष डेलिएक्सप्रेसके प्रकाशक शंकर साहके बनाओल गेल छै ।
समितिके महासचिवमे सीमाञ्चल प्रकाशक उपेन्द्रभगत नागवंशी, कोषाध्यक्ष पदमे धर्म मण्डल, सहसचिवमे ललनकुमार साहके चयन कएलगेल छै ।
तहिना सदस्यमे खोजबीन साप्ताहिके प्रकाशक कमल साह सहितके चयन कएलगेल छै । ९ सदस्यीय कार्य समितिमे दू सदस्य सभामे उपस्थित नइ होब सकलाके ओजहस’ बादमे चयन कएल जाएत ओ जनतब भेटल ।
कार्यक्रममे प्रमुख अतिथिके आशनस’ अपन धारना राखैत प्रेस स्वतन्त्रता सेनानी बरिष्ठ पत्रकार प्रकाशक महासंघ गठनमे नवतुरीया, अग्रज एवं समकालीन पत्रिका प्रकाशनकर्ता प्रकाशकसभके जुटान सुन्दर भविष्यके संकेत कएरैत छै ।
एकर उद्देश्यपूर्तिलेल सबपत्रपत्रिका प्रकाशकके एकताबद्ध भ’क’ चलब तेकर दरकार छै, बतौलाह । संस्था खोब लेल नइ खोलल जाय चाही, संस्था चलाब लेल खोलल जाय चाही । बिगतक बहुत राश उदाहरण दैत सेहो सुझाब बरिष्ठ पत्रकार नेपाली देलाह ।
अग्रज पत्रकार एवं प्रेस स्वतन्त्रता सेनानी अशोक रौनियार बिशेष अतिथिके रुपमे अपन धारना राखैत पत्रपत्रिकाके प्रकाशक सभकेँ पत्रिका जीवन्त रहत तखने पत्रकारसभकेँ जीवन यापन होएत ।
अइ लेल सभस’ पहिने प्रकाशकसभके जीवन जीविकाके आधार भेटक चाही, आर्थिक सुरक्षा, सामाजिक सुरक्षा राजनीतिक सुरक्षा प्रकाशकसभकेँ भेटत तखने पत्रकारिता क्षेत्र सबल होब सकैए, नेपम धनुषाके पूर्वअध्यक्ष एवं पूर्वकेन्द्रिय सदस्य समेत रहल अग्रज पत्रकार रौनियार कहलाह ।
अग्रज पत्रकार बिएम खनाल, प्रदेश पत्रकार महासंघके अध्यक्ष राजेशकुमार कणर्, रामभरत साह, प्रेस चौतारीके केन्द्रिय सदस्य धबेन्द्र झा, प्रेस युनियनके कावा अध्यक्ष अभय शर्मा, अपन अपन विचार रखलाह ।
समाजवादी प्रेस संगठनके केन्द्रिय सदस्य प्रबिण शाह एवं स्वतन्त्र पत्रकार नित्यानन्द मण्डल,पुरण साह रौनियार, सहितक सहभागीसभ सेहो अपन अपन धारना राखैत प्रकाशक महासंघके कार्यसफलताके कामना कएलाह । संगे नव पदाधिकारीके बधाई देलगेल छल ।
प्रतिक्रिया