जनकपुरधाम । सार्वजनिक जग्गहके सदुपयोग जनसाधारणके हितमे होब चाही । संगेसंग शहर-बजार व्यवस्थित एवं देखनहुत लागक चाही । एहि बातके दृष्टीगत करैत जनकपुर पेठीया बजारके व्यवस्थित एवं फूटपाथ अतिक्रमण मुक्त कराबके काजमे वार्ड नं.७के वार्ड अध्यक्ष निरज साह मुन्ना अग्रसरता लेलाह ।
नगरके सभस’ पुरान बजारमे नुनस’ ल’क’ सोनधैर बिकायत छै । मुदा पुरनका पेठीया बजार एतेक अव्यवस्थित कदेलगेल छल । जतह लोकके चलब हेतु पयडा धैर नइ रहैत छल । ब्यापार व्यवसायके नाम पर सार्वजनिक फूटफाथ आ फैलगर पीच सड़क घोकैचक गलियारी भगेल छल ।
जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड नं.७के वार्ड अध्यक्ष निरज साहके अग्रसरतामे,धनुषाके एसपी विश्वराज खड्काकेँ सहयोगस’ फूटफाथ खाली कएलगेल छै । दोकानस’बेसी क्षेत्रफलमे सिरकी ताइनक पेठीयाकेँ सार्वजनिक भूमि चपाचप्पन्तीके खेल जे भरहल छल ताहु खेलके बन्न कराओल गेल छै । सभ अतिक्रमनीसभके जाफरी, बास, ढठ्ठा, तिरपाल आदि हटाओल गेल छै ।
संगेसंग नव लकीर खीचक चेन्हासीस आगु बाटपर दोकान आदि नइ छाइन सकैत छी । ओहन चेतौनी सहित सम्बन्धित सभकेँ सचेत सेहो कराओल गेल छै । आजुका रवि दिनक हाटमे ब्यवस्थापन देखक ककरो मन प्रसन्न भेल होएत ।
स्थानीय जीरो मकाइल्स प्रहरी बृत्त, जिला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय सहित उपमहानपाके वार्डकार्यालय अधिन नगर प्रहरी कर्मचारी एवं किछु समाज सुधारक कमिटीके सेहो सक्रीय सहयोगस’ नीक काजके शुरु आत भेल छै । जेकर निरन्तरता बनल रहक चाही ।
बरोबर अनुगमन होइत रहक चाही । अन्यथा थेथर गधेनर लोक व्यारपार करब नाममे अपन काम बन्ता कतहु जाय जनताबाला माइण्ड सेट नइ कलए । ताहि हेतु दकतान करैत रहब बेगरता बनल रहत । महावीरचौकस’ पछिम पेठीबजार धैर ।
नमसकारचौकस’ उत्तर दशरथ तलाबधैर एवं पेठिया बजारस’ पछिम भ्रमरपुरा चौकधैर अ सउंसे पेठीया बजारमे फूटफाथ ब्यवस्थापन कएलगेल छै । अव्यवस्थित कठघेरा, ठेला, जाफरी पाल चनमा, तिरपाल आदि हटाओल गेल छै ।
सुचना सन्देश—-
प्रतिक्रिया