पुस्तकप्रति जन-जागरुकता बढाबलेल प्रदर्शनी

साँझा प्रकाशनव्दारा पुस्तक खरिद पर ८० प्रतिशत छुट

२०७९ पुष १९, मंगलवार २१:२१
सीमाञ्चल समदिया

  • 84
    Shares

जनकपुरधाम । ज्ञान-गुणके सागर पुस्तक होइत छै । मुदा आइ-काइल्ह पुस्तक पढ़ब आदैत लोककेँ हेराएल जारहल छै । जाहिप्रति जागरुकता बढाब लेल एतह साँझ प्रकाशन प्रादेशीक कार्यालयव्दारा अत्याधिक छुटसंग पुस्तक प्रदर्शनी सञ्चालन कएलगेल छै ।

 

मिथिला बिहारी नगरपालिकाके मेयर राजेन्द्रप्रसाद यादव विशेषअतिथिके रुपमे पुस्तक प्रदर्शनीके एकटा कार्यक्रमबीच उद्घाटन कएलाह ।

 

मङ्गलदिन जनकपुरधाम किशोरीनगर स्थित साँझा प्रकाशनके मधेश प्रदेश स्तरीय कार्यालयमे पुस्तक प्रर्दशनी शुरु कएलगेल छै ।

 

महंगी एवं आधुनिक बिधुतीय उपकरणसभके मायाजाल तेहन पसैरगेल छै । जाहिस’ पुस्तकप्रति लोककेँ आकर्षण कम भरहल छै । ओहि तथ्यके दृष्टिगत करैत साँझा प्रकाशन न्युनतम् ३० प्रतिशतस’ अधिकतम् ८० प्रतिशतधैर छुटमे पुस्तक बिक्री शुरु कएने छै ।

 

पुस्तक प्रकाशन अवधि अनुसार निर्धारित मूल्यमे साँझाके पुस्तकमे अधिक एवं वाहरी प्रकाशनमे कनेक कम मुदा अधिकतम् छुट देल जारहल छै । ओ जनतब साँझा प्रकाशन प्रादेशीक कार्यालयके प्रमुख दिलीपकुमार गुप्ता कार्यक्रममे बतौलाह ।

 

“कतबो आधुनिकतामे रमल रहो लोक, पुस्तकके महत्व कहियो नइ घटत । स्थानीय पालिकासभके सड़क, भवन, आदि भौत्तिक विकासकेँ संगेसंगे पुस्तकालयसभ सेहो अप्पन अपन पालिकास्तरमे सञ्चालन कएल जाय चाही”। युवा साहित्यकार एवं पत्रकार श्यामसुन्दर शशि उद्घाटनमे अपन धारना रखैत कहलाह ।

 

पुस्तक प्रदर्शनीमे सहभागीसब । चित्रःनागवंशी/सीमाञ्चल

 

प्रत्येक पालिकामे आधुनिक शिक्षा पद्धतिके विकास हेतु पुस्तकालय सञ्चालन एकटा प्रमुख अङ्गके रुपमे कएल जाय चाही । जाहिस’ समाजक गरीब कमजोर पढ़बमे रुचि रखनिहार कोनो उमेर समूहके लोक निशुल्क जाक पुस्तक पत्रिका पैठ सकैए आ ज्ञान-गुण लुइर बुद्धि सीख सकैए । एहिदिशामे पहिने ध्यान देल जाय चाही ! पुस्तक प्रदर्शनी स्थलमे सेहो बात पत्रकार, साहित्यकार प्राध्यापक शशि कहलाह ।

 

‘हमसभ अपन पालिका अन्तर्गत एकटा नीक पुस्तकालय स्थापना हेतु प्रयास करजारहल छी । जाहिस’ युवा वर्ग नीक शिक्षा, लुइरबुद्धिके जानकारी पाओत । हम ओ काज करब मेयर यादव भरोस दैत साँझाके प्रयासके सराहना कएलाह ।

 

कार्यक्रममे नेकपा एसके नेता रत्नेश्वरलाल गोइत, साँझाके कार्यालय सहयोगी अमरकुमार यादव, सीमाञ्चल सम्पादक उपेन्द्रभगत नागवंशी, पत्रकार किशोर मण्डल सहितक नामीगुणी लोकसभके प्रदर्शनीमे उद्घाटनमे सहभागीता छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया