सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । मटिहानी नगर पालिकाके मेयर हरि प्रसाद मण्डले विकासी काज देखक नगरक्षेत्रक मुश्लिम समुदाय सेहो गद्दगद्द छै । हुनकाप्रति श्रद्धा व्यक्त करब हेतु चादर ओढाक सम्मान प्रकट समेत कएलगेल छै ।
बृहस्पति दिन मटिहानी नपाके वार्ड नं.३ बरदाहामे पीसीसी सड़क निर्माणके ढलानके शुभारम्भ कार्य हेतु पुंगला पर हुनका मुश्लिम समुदायक स्थानीय भद्र लोकसभ खादा चद्दर ओढ़ाक सम्मान समेत कएलाह ।
बरदाहामे मूल्यअभिबृद्धि कर बाहेक ८१ लाख ६ हजार ५ सय ७९ टाकाके लागतमे पीसीसी सड़क निर्माण काज शुरु भेल छै । मेयर मण्डल करनीस’ मशाला ढलान क’ क’ सड़क निर्माणक श्रीगणेश समेत कएलाह ।
हरेक समुदायकेँ भावनाके कदर करब ओहे असल राजनीति हुअ चाही । जनता हमरा विकास करब हेतु अपन मत द’क’ पठौने छै । तैँ हम अपन कत्र्तव्य निमाहि रहल छी । मेयर मण्डल बजलाह । निर्माणकाज आगामी दू महिना भितर सम्मपन्न करब सहमति छै ।
सहमति अल अहद कन्स्लटेन्स जनकपुरधाम-५के जिम्मामे पड़ल छै । सम्झौता अनुसार आगामी फागुन १५ गते भितर निर्माण कार्य पुरा क’क’ हिसाब फारकती कलब अनिर्वाता नपा एवं निर्माण कम्पनीबीच भेल छै । सेहो जनतब भेटल अइ ।
प्रतिक्रिया