पीडि़त दासके पीड़ा बढ़ल,अपहरणकारीकेँ धनुषा प्रहरी नइ धयलक

२०८० कार्तिक २१, मंगलवार १६:२१
सीमाञ्चल समदिया
Ramsish das _Bivek das

  • 5
    Shares

जनकपुरधाम । धनुषा प्रहरी प्रमुख एसपी बिश्वराज खड्का एकटा आओर पीडि़तकँे पीडा दैत मुद्दा दर्ज नइ कएलक से आरोप लगबैत पीडि़तपक्ष पत्रकार सम्मेलन मादे प्रहरीके खेरहा सेहो आइ उजागर कएलक ।

 

धनुषा जिला हाल हँसपुर नगर पालिका वार्ड नं.४ मणिपट्टी गाम निवासी ६३ वर्षीय रामआशिष दास कथबनियाँकेँ अपराधिक समूह बितल बैशाख-२५गते अपहरण कएने छल ।

 

जनकपुरधाम पुलचौकस’ आगा तेतरीया गाम लग जलाइध धारकात लग खेतमे अपहरणकारी समूह रातिक ९ बजे लगेल । पीडि़त दास जनकपुरधाम वार्ड नं.१६ पुलचौक लग दोकान करैत आएल छै ।

 

ओहि दिन दोकान बन्न क’क’ घर जारहल अवस्थामे हुनका बाटेमे अपहरण कएलगेल छल । ‘‘अपहरण कारी मादे एकगोटे पेस्तौल देखौलक आ खेतमे लगेल । खेतमे हमरे गमछास’ हम्मर मूँह बाइन्ह देलक ! धकियबैत कुबियबैत २०-२५गो कागत पर सही छाप करौलक आ छोड़लक । ”

 

मूँह बान्हबाला हँसपुर नगर पालिका वार्ड नं. १ पौडेश्वर निवासी रामबिलाश दास कथबनियांके बेटा ६० वर्षके रामबिलास दास कथबनियाँ, हिनक बेटा ३७ वर्षिय इन्द्रकुमार दास, ३४ वर्षीय रामकुमार दास अपहरणमे संलग्न छल जिनका चिन्हल गेल छै ।

 

४ गोटे नकाबपोशधारी लोक सेहो सामेल छल । नकाब लगौनेसभकेँ हम चिन्हित नइ कए सकल छी ! पीडि़त राम अशिष आइ अखनु पत्रकार सम्मेलनमे बजलाह । हुनक कहब अनुसार घटनाके तत्काले प्रहरीके जनतब देलिऐ ।

 

कपलेश्वर प्रहरी पोष्टस’ प्रहरी गेल । खोज तलाक अपराधि सभकेँ कएलक । प्रात भेने माने २७ गतेक जिला प्रहरी कार्यालय धनुषामे घटना बारै निवेदन देला पर नइ लेलक । तखन एसपी बिश्वरा खड्काके कहलिऐ होतै होतै कहैत एक गोटेके पकरलक । मुदा हुनको नेकपा एमालेकेँ एकटा युवा नेता छेड़बाक लगेल । हमर निवेदन दर्ज नइ कएलक ।

 

बितल साओन २१ गते जनकपुरधाम स्थित जिला सरकारी वकील कार्यालय मादे पीडि़तके निवेदन दर्ज कए कानुनी कार्यवाही हेतु च.नं.३२१के पत्रव्दारा प्रहरी कार्यालयके जनतब देलगेल । तथापि अपहरणकर्ताके नइ पकरल गेल से आरोप पीडि़त दास पत्रकार सम्मेलनमे लगौलाह ।

 

ओम्हर पीडि़त दासकेँ कथनानुसार अपहरणकारीके रुपमे सामेल रामविलाश दास सहितकेँ लोक बनौने तमसुक अनुसार महोत्तरी वार्ड नं.५ निवासी ४२ वर्षीय अशोक कुमार ठाकुर राम अशिष दासकेँ २० लाख टाका कर्जा देने छै तेहन तमसुक कागत सहितक मुद्दा जनकपुरधाममे अदालतमे पड़ल छै । स्मरणीय बात ई छै ओहि कागतमे २०७५ साल माघ ४ गते ऋण लेने कहलगेल छै ।

 

मास्टरी पेशास’ आबद्ध रहिचुकल पीडि़त दासके कहब अनुसार हम तेहन ककरोस’ कहियो कर्जा लेनही नइ छी । अपहरण क’क’ हमरास’ फर्जी कागत बनाक सही करौने मादेके कागत होब सकैए । मुदा हमरा औपचारिक जनतब अदालतस’ नइ आएल छै ।

 

पत्रकार सम्मेलनमे पीडि़त दास बजलाह । एहि तरक साजीसपूर्ण आ रहस्यमय घटना भेलो पर एसपी खड्का कोनो सुनवाइ राजनीतिक दबाबके कारण नइ लेलक सेहो आरोप ओ अपत्रकार सम्मेलनमे लगौलाह ।

 

अपहरण्कारीस’ मुक्त भेल पीडि़त दास नेपाली काँग्रेस पार्टीस’ सम्बद्ध छैथ । अपहरणमे संलग्न रहल कहलगेल दास बन्धु नेकपा एमालेस’ सम्बद्ध बताओल गेल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

simanchal
अनेरुवा माल-जालस’ उपमहानपाकेँ अढ़ाइ लाख आम्दानी
२०८० कार्तिक २०, सोमबार २१:३०
सीमाञ्चल समदिया
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट
मिथिलाभूमिमे मधेशवादी कम्युनिष्ट पार्ट्री गठन
२०८० कार्तिक २०, सोमबार १३:१४
सीमाञ्चल समदिया
Nayayik samiti Jnk
सामाजिक दायित्व पुरा करैत न्यायिक समिति
२०८० आश्विन ३०, मंगलवार १७:५४
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
सामाजिक दायित्व वोधक नेपालीप्रति काव्यात्मक श्रध्दाञ्जलि
२०८० आश्विन २१, आईतवार २०:३५
सीमाञ्चल समदिया
simanchal
सुरक्षित-संरक्षित आ शुभकारी जीवनलेल अहिंसक बनु
२०८० आश्विन १६, मंगलवार २१:२०
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
मेयर साहके बात इन्द्रदेव सुनलक
२०८० आश्विन १३, शनिबार १७:५६
सीमाञ्चल समदिया