सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाली काँग्रेस महोत्तरी क्षेत्र नम्बर-३के क्षेत्रीय अधिवेशन नीयम-नीति सम्मत भेल दाबी कएलगेल छै । महोत्तरी तीनके नेकाँके क्षेत्रीय सभापति राघबेन्द्र झा समेत पत्रकार सम्मेलनमे पार्टीके नीयम नीति आ विधान सम्मत काज भेल,कहने छैथ ।
‘‘ २०७८ साल अगहन-१५ गते भेल क्षेत्रीय अधिवेशनके बन्नसत्रमे नेकाँ नेता बजरङ्ग नेपाली मादे प्रस्तुत कएने सहमतिके प्रस्ताव पर सहभागी क्षेत्रीय प्रतिनिधिसभ सर्वसम्मतिस’ स्वीकारल काज भेल छै’’ , पार्टीव्दारा जारी विज्ञप्तिमे कहल गेल छै ।
पूर्व केन्द्रिय सदस्य एवं सांसद रामचन्द्र तिवारीकेँ क्षेत्रीय कार्यसमिति एवं महाधिवेशन आ महासमिति अगहन १६ गते धैर प्रतिनिधि छनौटके सम्पूर्ण निर्णयके अधिकार सहित जिम्मेवारी देने छल ।
ओहि मुताविक ओ काज कएलाह । जाहिकेँ सहभागी सम्पूर्ण क्षेत्रीय प्रतिनिधि सर्वसम्मतस’ निर्णयके स्वीकृति प्रादन कएने छै । जाहिमे मतदान अधिकृत धिरेन्द्रकुमार मण्डल स्वयं अपने निणर्य पुस्तिका लीखने छै ओ सुरक्षित रुपमे देखल जासकैए ।
तथापि पार्टी भितरे किछु माफिया गिरोह भ्रमपूर्ण दुष्प्रचार क’क’ पार्टी एवं प्रतिष्ठित नेता एवं जुझारु कार्यकर्तासभकेँ बदनाम करब काज कएरहल छै । ओहिस’ भ्रमित नइ हुअ लेल सम्बन्धित सभकेँ आग्रह समेत पत्रकार सम्मेलन मादे कएलगेल छै ।
मदतान अधिकृत मण्डल स्वयं माइन्युट लीखने छैथ आ स्वयंम कहैत छै हमरा बलजप्ति सही छाप करौलक ई फूइस फंसादी गप्प रहल छै । क्षेत्रीय सभापति झा तर्क दैत बजलाह ।
नेकाँके प्रनेता महामानव बी.पी.कोइरालाकेँ सिद्धान्त आ बिचार बिरुद्ध समेत किछु माफिया दलाल एवं भ्रष्टतत्व अधिवेशन पर कब्जा जमाबमे असफल भगेला पर पार्टी समेतके बदनाम करब लेल भ्रमपूर्ण काज कएलाह ओ खेद एवं चिन्ताके विषय छै । ओहन भ्रमसर्जकस’ पार्टीनेता एवं कार्यकर्ता समेत सजग रहो ओहो आग्रह पत्रकार सम्मेलनमे सहभागी अगुवा नेतासभ कएलाह ।
पत्रकार सम्मेलनमे प्रस्तुत कएलगेल निर्णय पुस्तिकाके छायाप्रतिमे मतदान अधिकृत धिरेन्द्रकुमार मण्डलकेँ नाम लीखलगेल छै मुदा हस्ताक्षर नइ छै । ओ पत्रकार सम्मेलनमे सहभागी नइ छलाह ।
स्मरणीय छै शनिदिन क्षेत्रीय अधिवेशन सम्बन्धमे नेकाँके एकगुट शम्भु पाठक नेतृत्वमे पत्रकार सम्मेलन कएने छल । जाहिमे महोत्तरी क्षेत्र नं.३केक्षेत्रीय अधिवेशन रामचन्द्र तिवारी मनपर्दी रुपमे कएलक ओ आरोप लगाओलगेल छल । जकर खुलासा तिवारी ग्रुप अपन सफाई दैत रविदिन पत्रकार सम्मेलने मादे उतारा देलाह । पत्रकार सम्मेलनमे सयस’ अधिक नेता कार्यकर्ता जुमल छल ।
प्रतिक्रिया