उपेन्द्रभगत नागवंशी, आठ दिन पछाइत अगहन-४गते होब जारहल प्रतिनिधिसभा एवं प्रदेशसभाके निर्वाचन हेतु धनुषा जिल्ला सेहो निर्वाचन मय बनल छै । लोकमे उत्साह होए नइ होए नेता कार्यकर्ता हँयां हँया कए रहल छैथ ।
धनुषा निर्वाचनक्षेत्र नम्बर-२मे कएल स्थल गत अवलोकन भ्रमणमे शुक्र दिन प्रतिनिधिसभा दूके उम्मेदवार उमाशंकर अरगडिया एवं हुनकहि संग प्रदेशसभाके उम्मेदवार लखन दासकेँ दुहबी गामके चुनावी मैदानमे मतदाता समक्ष मत मांगैत देखल-भेटल ।
नेकपा एमालेके उम्मेदवार पूर्वमन्त्री उमाशंकर अरगडिया विकास एवं समृद्धिकेँ पूरकपात्र एमाले नेता केपी शर्मा ओली छैथ । कोना मधेशवादी नेतास’ बेसी मधेश प्रेमी छैथ । हम ओली नेतृत्वके ओहिपार्टीके सिपाही भक’ अपनेसब समक्ष मत मांग लेल आएल छी । जनतासभकेँ हेंजमे कल जोइरक बजैत छलाह ।
युवा नेता अरगडिया किछुमहिना पूर्व लोसपा नेपालस’ नेकपा एमालेमे आएल छैथ मधेशवादी दलकेमधेशी नेता आब कारेड भगेलाह । क्षेत्र नं.२के प्रमुख दलके प्रमुख चाइरटा प्रतिनिधिसभाके उम्मेदवारमे अरगडि़या अग्रतामे देखाइत छैथ ।
जनसमक्ष अपन धारना रार्खैत ओ कहैत छलाह—‘‘ अपनेसभकेँ सुखःदुखःमे संग रहबाला कर्मठ, योग्य, इमान्दार, सुव्यविचारीमे सही पात्र हमहीं छी । तौ हमरा पर भरोस कएल जाए !’’
पाँच वर्षधैर मन्त्री संसद रहलासभ क्षेत्रमे पाँचटा इंटो कतहु विकास लेल बिछौने हय ओ देखाब कहियौ तब मत देब । तखनि हमरे स्मरण आएत’ ! जनताके अपनपक्षमे मतदान करब हेतु कहैत सुनल ।
एक महिना आगुधैर मधेशवादी छलीए, एकाएक कामरेड केना भगेली कारण कि ? ई प्रश्न कएला पर जन उसासी नेता अरगडि़या उत्तर दैत बजलाह“-मधेशके मतदाताके मतके सम्मान मधेशवादमे रहिक नइ भेलै जे होब चाहैत छल ।
मधेशीके मतस’ जितब आ मधेशीयाके जगह पर दोसरके पद बहाल कराएब, आनक्षेत्रके लोकके संसद मन्त्री बनाएब जेहन घृणर्ित कार्यसभ देखला पर अनुभस्ति कएला पर पार्टी त्याग कएल । जाहिमे नेकपा एमाले सोहन्तगर दल लागल’बतौलाह ।
मधेश सरकारके एकटा ठोसगर देखौवा काज‘बेटी पढाउ बेटी बचाउ’ छल । ओहु योजनाके साइकल खरिद घोटाला सर्बत्र चर्चाके विषय बनल छै । ओहन दल ओकर नेता मधेश आ मधेशीके केहन हितैशी छै ओ जनता अपने विचार करए लागल छै । अरगडि़या उन्टे प्रश्न करैत कहलाह ।
मैत्रीपूर् णचुनावी प्रतिस्पर्धामे उतरल एमाले उम्मेदवार अरगडिया सडक पर गडि़याएब, आन्दोलनके नाम पर मनुख मरबाएब एवं मधेशक मसिहा कहाएबस’ नीक आदरनीय हमरसबके अग्रज नेता केपी ओली छथि । जिनका ओसभ प्रतिगमणकारीयो कहलकै आ नतमस्तको होब चैल गेलै ।
हम तेहन मरदाबा लगस’ राजनीति कर लागल छी, छिजरालग रहिक देश-मधेश आ क्षेत्रके किन्नहुँ कल्याण नइ कसकैत छी । हमर नेता ओली अपना स्थानमे एक दम्म सही छैथ । हम मधेशीसभ कथित मधेशबादी आ मधेशक मसिहा कहौनिहार हुनका नीकस’ चिन्ह जान नइ सकल छी । सेहो दाबी नेता अरगडिया कएलाह ।
धनुषाक्षेत्र नं.२ विकासमे अत्यन्त पाछा परल क्षेत्र छै । शिक्षा, स्वास्थ्य, रस्ता पयराके क्षेत्रमे बेसी सुधारक दरकार छै । हम एहि दिश काज करब । बाट बनाएब, बनल बाटके पीचिङ्ग करब कराएब । जनताके मूलभूत आवश्यकताकेँ पुरा करब ।
पाँचवर्षमे दोसर जे काजसभ नइ कसकल ओहन काजसब हम विगत दुवर्षमे पुरा कएने छी । हमर इमान्दारीता, कर्मठता, धैर्यता आ साहस एवं जनताप्रतिके सिनेहाभाव हमर जीतक सुनिश्चितताके आधार छै ।
पूर्ण आत्म विश्वाससंग अपन जीतक आधार कि एहन प्रश्न कएला पर नेता अरगडि़याले अपन शुभचिन्तकसब दिस संकेत करैत बजलाह ।
प्रतिक्रिया