जनकपुरधाम । एक सप्ताह भितरमे दोसर बेर पश्चिम नेपालमे आइफेर दलकी अएलैए । जाहिस’ भागम भाग मचल मुदा जनधनकेक्षति सम्बन्धमे कोनो जनतब प्राप्त नइ भेल ।
पश्चिनेपालके बिकट पहाड़ी-हिमाली जिला बझाङ्गके पातादेवाल नामक स्थानमे दलकीके केन्द्रभूमि छल । राष्ट्रिय भूकम्प मापन केन्द्रके मादे भेटल जनतब अनुसार ५.४ म्याग्नीच्युटके दलकी आएल छल ।
आइ शनिदिन रातिमे ८ बाजिक १२ मीन्टपर दलकी आएल । दलकीके दल्लकस’ डोटी, दिपायल, शिलगढी, नेपालगञ्ज, धनगढीधैरके लोकसभके डरे हल्लक सुखागेल छल ।
नेपालके लगिचक दक्षिणीपरोसी देश भारतके राजधानी दिल्ल िएनसी आरमे एवं ओकर लगपासके राज्य हरियाणा, उत्तरप्रदेश समेतमे दलकीके दल्लकस’ भागमभाग मचल आ लोकक हल्लक सुखाएल ।
भारतके उत्तराखण्ड राज्यके पिथौरागढ़, बागेश्वर, नई टिहरी, पौड़ी आदि स्थानमे सेहो दलकीके पैघ झटका लोक अनुभूति कएलक आ शहर गामसभमे भागम भाग मचल छल । भारतीय विभिन्न न्युज एजेन्सीमादे जारी समाचारस’ जनतब भेटल ।
एहिस’ आगु मात्र ४ दिन पहिने सेहो दलकी आएल छल । डोटी जिलामे आएल दलकीमे घर दुआइर ठैह ठनमनाक खसला पर डोटीमे एक्कहि परिवारके ६ गोटेके मृत्यु भगेल ।
दलकीमे मरलसभ मादे ५वर्षके प्रेम बोहरा, ४वर्षके भगवती बोहरा, १४/१४ वर्षके धनसरी बोहरा, कीतुलछी बोहरा, १३ वर्षके सीता बोहरा एवं ६ वर्षके बालक हर्क बोहराके मृत्यु भेल छल ।
प्रतिक्रिया