जनकपुरधाम । भूमिके गर्भमे सन्हियाएल अवस्थामे एकटा दुर्लग शिवलिङ्ग तराईक्षेत्रके एकटा गाममे आइ भेटल छै । जाहिके देखब हेतु लोक करमान लाग लागल छै ।
मधेश प्रदेशके आर्थिक राजधानीके रुपमे पहिचान बनैत जारहल पर्सा जिलामे माटितरमे मुदा उपरेमे रहल अवस्थामे शिवलिङ्ग भेटल स्थानीयसभ बतौने छैथ । ओ अधिवक्ता आननद गुप्ता मादे जनतब भेटल ।
तराईक्षेत्रके पर्सा जिला अन्तर्गत पटेर्वा सुगौली गाउँ पालिका वार्ड नं.५ स्थित निचुटवा गामके चौरीयानी ठाममे शिबलिङ्ग भेटल तथ्य अधिवक्ता आननद गुप्तास जनतब भेटल ।
निचुटवा गामक किछु लोक घास काटब हेतु चौरीमे गेल छल । घास काटेत-काटैत एकठाम कने ठकठक बाजल आ भूर्रभूर्रा माटितर परल कोनो सक्कत बस्तुसन किछु रहल ओहन आभाष घास काटबालासभकेँ भेल । किछुए माटि खैनक हटौलापर भितरस’ अद्भूत शिबलिङ्ग बहार भेल ।
शिबलिङ्ग गोलाकार एवं चप्ता छै जाहिपर नाग-साँपके आकृति गड़ाएल छै । शिबलिङ्ग तुतीया रङ्ग(स्याङ्ग कलर)के देखाइत छै । छतर काढल नागके आकृति समेत उखरल छै ।
ओ अदभूत शिबलिंगके देखला लोक करमान लाइग गेल छै । लोक पुजा पाछ धूपदिप लेशक शिबके अद्भूत आ चमत्कारी शक्तिके रुपमानल जारहल छै । सेहो जनतब अधिवक्ता गुप्ता मादे जनतब भेटल ।
प्रतिक्रिया