पर्यावरण सुरक्षालेल समाजिक अगुवा अनशनमेःसरकार मतसुन

२०७८ श्रावण ३२, सोमबार १६:५१
सीमाञ्चल समदिया

  • 2
    Shares

सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । महिनोस’ चरणवद्ध आन्दोलन कएला पछाइत देशके विधि व्यवस्थाकार नइ सुनलक । हाइर-पाइछक आओर दबाब बनाबलेल समाज सुधारक किछु गोटे अन्नत्यागिक आन्दोलनमे उतरल छै ।

पर्यावरणीय जीवन रक्षाके लेल सामूहिक हित प्रवद्धृन लेल आन्दोलनमे उतरल छै तथापि सरकार वा ओकर मातहतके निकाय मतसुन आ आन्हर बहिर बनल छै ।

चुरिया पहाड आ वन-जङ्गल संरक्षणके मुद्दा उठाक निकासी उपायलेल आइ पाँचदिनस’ अन्न-जल त्यागिक धर्ना आन्दोलनमे किछु लोक बैसल छै । मुदा सरकार कोनो चांइख नइ लरहल छै । अइस’ सिद्ध होइत छै जनता आ ओकर भावनाप्रति तिनु तहके सरकार गैर जिम्मेवार बनल छै ।

मिथिला नगरि जनकपुरधाम जनकचौक पर एकलहैत पाँच दिनस’ समाज सेविका सबिता यादव सहित दर्जनो लोक धर्ना दैत आएल छै । जाहिमे चुरे बचाउ अभियन्ता अमन यादव एवं रानी राय भूमिहार अन्नजल त्यागिक धर्ना पर बैसल छै । हिनकासभकेँ अन्न त्याग कएला आइ सोम दिन पाँचम् दिन भगेल छै ।

सउंसे मानव समुदायस’ जुड़ल मुद्दा होइतो,अन्देखी कएल जारहल छै । मानवके प्रणवायु दिअबाला जीवनरक्षक वन-जङ्गल होइत छै । तराई-मधेशक्षेत्रके सिंचितकर्ता पानिके श्रोत चुरेपर्वत एवं ओहिसंगे रहल जङ्गलकेँ अबैध दोहन,कल-कारखानाकेँ हटाबके मूलमांग छै ।

चुरे तथा वन जङ्गल संरक्षण अभियानके तत्वाधानमे अभियन्तासब मूल रुपस’ पाँचटा मांग राइखक अपन आन्दोलन करैत आएल छै । जे सबहक सरोकारके विषय छै । तथापि प्रदेश सरकार, संघीय सरकार एवं स्थानीय सरकार सेहो घैम नइ रहल छै । एहन बेसर्म बेगैरत भगेल छै । सरकार अनशनमे बैसल अपन नागरिककेँ अन्नजल त्यागिक मरपर छोइर देनै छै ।

ई चिन्ता आ खेदजनक बात छै, कि अहि लेल सरकार बनल छै ? समान्य जनताके बात नइ सुनल जाए, जनमतके अपहेलित कएल जाए ! वाहरे सरकार आ सरकारी व्यवस्था ! धर्नास्थल पर रहल नीक लोक एहिना बकार फोरैत सरकारके आलोचना करैत सेहो देखल गेल ।

चुरे तथा वन जङ्गल बचाउ अभियानी सभ उपर लगाओल गेल फूइस फंसादी मुद्दा घुरता लेल जाए ।

वन नियमावली विपरित डिभिजन वन कार्यालय सिरहाके प्रमुख आर्थिक कार्यक्रम सञ्चालन कोन आधारमे कएलक ओकर छानविन क’क’ सार्वजनिक कएल जाए । दोषी पर कार्यवाही कएल जाए ।

मारुती सिमेन्ट कारखाना वनक्षेत्रमे केना खोलगेल छै । वन बुटेनके जग्गह सम्बन्धमे डेढ़वर्ष पहिने सिरहा जिला प्रशासन समक्ष भेल सहमति बमोजिम वन कार्यालयके छानविन समितद्वारा बुझाओल प्रतिवेदन सार्वजनिक किएक नइ कएलगेल; वन बुटेनके जग्गह तत्काल घुरता कएल जाए ।

डिभिजन वन कार्यालय सिरहाके आर्थिक वर्ष-२०७६स’०७८धैर दू कार्यकालके कएल कार्य विवरणके छानविन कएल जाए । एहन सहितके मांग राइखक आन्दोलनमे चुरे आ वन जंगल संरक्षण हेतु अग्रसरित अभियानीसभ उतरल छै ।

सिरहा वन कार्यालय सहित प्रदेस सरकार समेतके कार्यालय आगा धर्ना घेराउ करैत-करैत कोनोपक्ष नइ सुनला पर दबावमूलक कार्य हेतु अन्नत्याग आन्दोलन करब काज कएने छै । चुरे तथा वन जङ्गल बचाउ अभियानीसभ भूख हड़ताल पर छै ।

हुनक सबहक स्वास्थ्य अवस्था दिनानुदिन दयनीय भरहल छै । अन्नजल त्यागिक धर्नामे परल रानीराय मूर्क्षित अवस्थामे आइबगेल छै । स्वास्थ्यकर्मी हुनका धर्नास्थले पर ‘सलाइन्स’ चढाक प्राण बचौने छै । ततै अमन यादवके सेहो हरियाएल देह टेटाए सुखाए लागल छै । धर्ना आन्दोलनमे सहभागी सभकेँ दैहिक दशा बिगैर रहल छै ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया