परिक्रमा यात्राके भब्यता हेतु दू जिलाके बैसार

विश्रामस्थल पर लाउडस्पीकर बजाब पर प्रतिबन्ध

२०७९ फाल्गुन २, मंगलवार २३:१७
सीमाञ्चल समदिया

  • 76
    Shares
Photo By- Nagawanshi, simanchal.com

जनकपुरधाम । धार्मिक,पौराणिक महत्वकेँ उत्सवधर्मी १५ दिना मिथिला माध्यामिक परिक्रमा भव्य, व्यवस्थित बनाबलेल दू जिलाके बैसार भेल छै । बृहत्तर जनकपुरक्षेत्र विकास परिषद् गत विगत वर्ष जकां अहुबेर परिक्रमा यात्रा व्यवस्थापन हेतु मङ्गलदिन छलफल बैसार आयोजन कएलक ।

 

पहिनेस’ नीक एवं देखनहुत सुन्दर परिक्रमा यात्रा कोना बनाओल जाए, यात्रीसभकेँ पड़ावस्थलधैर केहन कोना सुविधा देल जाए । ओहि हेतु अपनाओल जाएबाला प्रकृयापर सहमति बैसारमे बनल ।

 

धनुषा एवं महोत्तरी जिला अधिन परिक्रमायात्रा अधिन परबाला नगरपालिका, गाउँ पालिकाके मेयर सामेल छलाह । संगेसं दूनु जिलाके सिडियो, एसपी एवं सञ्चारकर्मी, सन्त महन्थ आदि समेत सम्मलित लोकबीच परिक्रमा व्यवस्थापन सम्बन्धि विमर्श भेल छै । जाहि बैसारमे दश बून्दे सहमतिय निर्णय कएलगेल छै ।

 

परिक्रमायात्रामे यात्री हेतु शैचालयके व्यवस्थापन, परिक्रमायात्राके प्रतेक पड़ाव स्थल पर अस्थायी शौचालयकेँ निर्माण व्यवस्थापन सम्बन्धित स्थानीयतह करत । घुमती शौचालयके व्यवस्थापन बृहत्तर जनकपुरक्षेत्र विकास परिषद् करत । सरसफाई हेतु स्थानीय क्लव कमिटीसभसंग समन्वय क’क’ कएल जाएत ।

photoBy-Nagawanshi,simanchal.com

 

परिक्रमायात्रा एवं विश्रामस्थल पर शान्ति सुरक्षा प्रदान करब हेतु शसस्त्र प्रहरी एवं नेपाल प्रहरी स्थानीय निकायसंगके समन्वयमे शान्ति सुरक्षा प्रदान करत । परिक्रमा यात्रा अवधिभैर परिक्रमारुटमे एवं पड़ावस्थलमे एकदिन अगते माछ, माउस, मदिरा बिक्री बितरण, सेवन निषेध करब काज कएल जाएत । एहिहेतु स्थानीय तहस’ व्यापक प्रचार प्रसार एवं सूचना सन्देश प्रशारण कराओल जाए बैसारमे सहमति बनल छै ।

 

मिथिलानगरि जनकपुरधाम भितर नीयमित बिधुत आपूर्तिके व्यवस्था नेपाल बिधुत प्राधिकरण जनकपुर बितरण केन्द्र मादे कएल जाएत । आरो विश्राम स्थलसभमे स्थानीय जिलास्थित केन्द्र मादे होएत । संगेसंग शुद्ध पेय जलके व्यवस्था खानेपानी तथा सरसफाई डिभिजन कार्यालय तथा स्थानीय तह मादे होएत ! छलफलमे ओहो सहमति बनल छै ।

 

परिक्रमा यात्री सबके भोजन आदि काजमे इन्धन हेतु डिभिजन वन कार्यालयस’ आवश्यकता अनुसार जरनाके व्यवस्थापन कराओल जाएत ।
परिक्रमा अवधिभैर तिर्थयात्रीसभकेँ प्राथमिक स्वास्थ्य उपचार जिला स्वास्थ्य कार्यालय, स्थानीयतहके स्वास्थ्य महाशाखा, नेपाल रेडक्रस सोसाइटी एवं परिक्रमायात्रा व्यवस्थापनके प्रमुख अगुवा बृहत्तर जनकपुरक्षेत्र विकास परिषद् सेहो निशुल्क स्वास्थ्य शीवीर प्रतेक पड़ावस्थलमे आनेसाल जकाँ अहूबेर सञ्चालन करत ।

 

पन्द्रहदिने मिथिला परिक्रमा यात्रामे मिथिला विहारी, किशोरीजी सहितके डोला उठाक चलबाला साधु-सन्तसभके बृहत्तरव्दारा पोशाख उपलब्ध कराओल जाएत । परिक्रमा पड़ावस्थलमे परिचालित स्वयंसेवकसभकेँ सम्बन्धित स्थानीय निकाय पोशाख उपलब्ध कराओल, छलफल पछाइत बैसारमे निर्णय भेल बुझएमे आएल छै ।

 

एहे फागुन आगामी ८ गते धनुषा जिलाके मिथिला विहारी नगरपालिका कचुरी गाम स्थित मिथिला विहारी स्थानस’ परिक्रमा डोला उठत । डोला उठैतकाल भिन्सर ७ बजे पञ्चे बाजा सहितके शोभायमान संगीतीक धून बजाब हेतु नेपाली सेना एवं सलामी सहित अन्य सुरक्षात्मक व्यवस्थापन प्रदेश प्रहरी कार्यालय करत कराओत एहन निर्णय भेल छै ।

तिर्थयात्रीसभके स्वास्थ्यके ध्यानमे राखै ध्वनी प्रद्षण मुक्त मेला व्यवस्थापन कएल जाए ओहिपर सहमति बनल छै । एहिलेल लाउड स्पीकरके प्रयोग सबहक सहयोगस’ निरुत्साहित कएल जाएके बैसारमे सहमति बनल छै ।

 

साउण्ड बक्स मधिम स्वरमे बजाओल जासकैए । मुदा दशबजे रातिके बाध ओहो बजाब पर प्रतिबन्ध रहत । एहि बातके जानकारी सञ्चार माध्यमसभ मादे स्थानीयतह सेहो करत कराओत ओहन सहमतिय निणर्य भेल बुझएमे आएल । परिक्रमा यात्राके व्यवस्थापनमे आवश्यक सहयोग हेतु मधेश प्रदेश सरकार, प्रदेशके पर्यटन तथा वन मन्त्रालय एवं पर्यटन कार्यालयके अनुरोध कएल जाएत ।

 

कचुरीस’ जनकपुरधाम आबबाला परिक्रमडोला-यात्राके प्राचीन पड़ावस्थल एवं यात्रामार्गके सुव्यवस्थित करब निणर्य समेत कएलगेल छै । बेङ्गा-शिबपुरस’ रजौल-बेल्हीधैरके बाट मरम्मत क’क’ रस्ता-पयरा दुरुस्त करब काज जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका, वार्ड नं.१४ आ १९के वार्ड अध्यक्ष एवं डिभिजन सड़क कार्यालय करत कराओल जाएत । जाहि हेतु समन्वय करब काज बृहत्तर एवं जउमहानपा पहल करत । ओहो सहमति बनल छै ।

 

बृहत्तर अध्यक्ष शीतल शाहके सभापतित्वमे छलफल बैसार भेल । जाहिमे जउपमहानपाके प्रमुख मनोजकुमार साह, धनुषा/महोत्तरीके सिडियो क्रमशःकाशीराज दाहाल, दीपककुमार पहाडी, एसपी विश्व खडका, प्रकाश मल्ल सामेल छलाह ।

 

PhotoBy-Nagawanshi.simanchal.com

 

तहिना महोत्तरी जिलाके जलेश्वर नगरपालिकाके प्रमुख सुरेश साह सोनार, मटिहानी नपा प्रमुख हरिप्रसाद मण्डल, महोत्तरी गापा अध्यक्ष दिलीपकुमार पाण्डे, बैसारमे सहभागी छलाह । धनुषाके धनुषा नगर पालिकाके प्रमुख बालेश्वर मण्डल, सबैला नपा प्रमुख कारीराम यादव, मिथिला विहारी नपा प्रमुख राजेन्द्र यादव, औरही गापा अध्यक्ष उमाशंकर प्रसाद साह, सहभागी छलाह ।

 

अहितरहें नेपाल पत्रकार महासंघ धनुषाके सहसचिव निरञ्जन प्रसाद साह, नेपाल रेडक्रस सोसाइटी धनुषाके सभापति नरेशप्रसाद सिंह, डिभिजन वनकार्यालय धनुषाके सहायक वनअधिकृत अजयकुमार मिश्र, नेपाल बिधुत प्राधिकरणके ई.सरोज चौधरी, नेपाल खानेपानी संस्थानकेँ दौधिवल यादव, प्रहरी निरिक्षक सुरेन्द्र श्रेष्ठ, बैसार आयोजक संस्था बृहत्तर जनकपुरक्षेत्र विकास परिषद्के निमित कार्यकारी निर्देशक चिरञ्जीवी ढुङ्गाना, प्रशासकीय अधिकृत जितेन्द्र यादव, सुन्दर सदनके महन्थ नवलकिशोर शरण, मिथिला विहारी महन्थ रामनरेश शरण सहितक सहभागिता छल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया