सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । सिरहा जिलाके नरहा गाउँ पालिका अन्तर्गत एकटा महिला घेंउटमे फंसरी लगाक प्राणत्याग कएलीह । निरहा गा.पा. वार्ड नं.-४ ललभितिया गाम स्थित अपन घरमे शालबान्हिक फंसरी लटक अवस्थामे भेटलास’ महिला आत्महत्या कएने प्रारम्भिक जाँचस’ प्रहरी अनुमान कएने छै ।
ललभितिया गाम निवासी रामभरोस यादवके अन्दाजी २५ बर्षके पुतहु रेखाकुमारी यादव फंसरी लगाक आत्महत्या कएने छै । दिबंत रेखाके शव शवपरिक्षण पछाइत सिरहास’ आइए दाहसंस्कार हेतु ललभितिया पुंगाओल गेल, जनतब सिरहा जिला प्रहरी कार्यालय जनौने छै ।
मृतक महिलाकेँ श्रीमान् बैदेशिक रोजगारी हेतु खाड़ी देशमे काजमे छै । महिला अपन ससुराइरक लोकस’ हटिक अलगे रहैत आएल छलीह ।
साउस, ससुर,आ देउर आदि समेतसभस’ अलग भ’क’ एसगरे रहैत आएल रेखाकेँ उपर विभिन्न तरहक लाछंना सेहो लगैत आएल । तथापि सामाजिक लाछना सहैत रहैत छलीह । सामाजिक स्वरकेँ बेवास्ता करैत अपन मनपर्दीस’ चलैत आएल छलीह । जाहि ओजहें समाजिकस्तर पर कतेको बेर पर पैचयती सेहो भेल । मुदा समय आ परिस्थितीस’ लड़ब सांती प्राण त्याइगक चल गेलीह ।
प्रतिक्रिया