जनकपुरधाम । मिथिला नगरि जनकपुरधामस’ पछिम १३ किलोमीटर जतेक दूर महोत्तरी जिलाके पडरीया गाममे दू समुदायबीच आपसमे घमाशान भेल छै । जाहि घटनामे सयो राउण्ड गोली प्रहार कर पड़ल छै एवं दर्जनो लोक घाहिल भेल बुझएमे आएल ।
बृहस्पति दिन भेल घमाशानमे प्रहरी प्रशासन समेतके पकरस’ भयावह अवस्था नियन्त्रणमे नइ आब सकला पछाइत कफूृ आदेश जारी करपर प्रशासन बाध्य बनल ।
भंगहा नगरपालिका वार्ड नं.८ अन्तर्गत पड़रिया गाम पड़ैत छै । गामस’ मात्र एक सय मीटर जतेक दूरी पर इलाका प्रहरी कार्यालय लोहारपट्टीके कार्यालय छै । आपसी व्यमनस्यक आइग सुनैगते मीझाबके प्रयास कएल जासकैत छल । मुदा अवस्था बेकाबु भगेल ।
हिन्दू सम्राट सेनाव्दारा बहार कएलगेल सनातनी शोभायात्रा क्रममे दोसर समुदायके किछु लोकसभ पत्थरबाजी करए लगला पर दू समुदायके लोकबीच आपसी घमाशान भेल ।
स्थिति नियन्त्रणमे लिअ लेल प्रहरी दर्जनौं सेल आसुग्यांस एव हवाई फायर कएलक । तथापि स्थिति नियन्त्रणमे नइ आब सकला पछाइत महोत्तरी प्रशासन कर्फ्ू आदेश जारी कएलक ।
जिला प्रशासन कार्यालय महोत्तरी जारी कएने सूचना अनुसार बेरियामे ४ बजेस’ दोसर आदेश नइ होबधैर अनिश्चितकाल लेल कर्फू लगाओल गेल छै । आदेशको वर्खिलाप गेला पर कानून बमोजिम सम्बन्धित सभपर कठोर कारवाही होएत !
ओहो चेतौनी महोत्तरी प्रशानव्दारा जारी आदेशपत्रमे कहलगेल छै । कर्फू आदेशके क्षेत्र गामके दक्षिणमे परडि़याके सम्पूर्णक्षेत्र, उत्तर-पूरुबकातदिस पररियाके ब्रम्हस्थानधैर कर्फू रहत ।
तहिना उत्तरकातमे धर्मपुर गामस’ दक्षिणकाके सबभाग, पूरुबमे लोहारपट्टी नपा वार्ड नं १ बगडाचौक आ पछिमकात ईलाका प्रहरी कार्यालय लग पुलधैरके क्षेत्रमे कर्फ्यू लगाओल गेल छै । शान्ति सुरक्षा हेतु अत्याधिक संख्यामे नेपाल प्रहरी एवं शसस्त्र प्रहरी परिचालन कएलगेल छै ।
सम्प्रादायिक सद्भाव खलल पुंगाबके मनसायस’ किछुतत्व व्यमनस्यता उत्पन्न कएलक । जाहि ओजहस’ दुपक्षबीच टेनामेनी होइत घमाशान अवस्था सृर्जना भगेल । घटनामे दूनु पक्षदिशके लोक सहित सुरक्षाकर्मी सेहो घाहिल भेल छै । जाहिमे आधादर्जन लोकके अङ्गभङ्ग भेलास’ अवस्था गम्भिर बनल छै ।
ब्यापक शान्ति सुरक्षाके स्थिति भंग भेलास’ गम्भिर अवस्ता सृजना भगेल छै । स्थितिकेँ सामान्यिकरण करब प्रयास भरहल छै सेहो बात प्रशासन मादे निर्गत पत्रमे उल्लेख छै ।
भंगहा नगरपालिकाके मेयर सञ्जीवकुमार साह दुनुपक्षबीच अकल्पनिय घटनास’ स्तब्ध भेल छी ! आपसी सद्भाव दुनुपक्ष कायम करएमे सहयोगी बनत ओहो अपेक्षा मेयर साह कएने बतौलाह ।
प्रतिक्रिया