सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । जनकपुरक्षेत्रके धार्मिक, सांस्कृतिक, पुरातात्विक महत्वक स्थलसभके संरक्षण, सम्वर्ध्दन एवं प्रवर्ध्दन करब कराएब मूल उद्देश्य रहल छै ‘बृहत्तर जनकपुरक्षेत्र विकास परिषद्’के । नवनियुक्त अध्यक्ष शितल साह, आइ एहि परिषद्के पदभार ग्रहण कएलाह ।
नेपाल सरकार मन्त्रीपरिषद्के निर्णय अनुसार साह चाइर वर्ष हेतु अध्यक्ष पदमे पदासिन भेल छैथ । बृहस्पतिदिन राजधानी काठमाण्डौस’ आइबक बृहत्तर विकास परिषद्के कार्यालयमे समान्य कार्यक्रमबीच साह अध्यक्षीय कार्यभार सम्हारलाह ।
बृहत्तरके कार्यकारी निर्देशक बलराम ठाकुर नेतृत्वमे सम्पूर्ण कर्मचारी हुनका अगुवाई कए स्वागत कएने छल ।
धनुषा जिलाके ठेरा गाममे जन्मल शितल साह २०४६ सालमे बहुदलीय प्रजातन्त्रके आगमण भेला पछाइत पत्रकारीताक्षेत्रस’ आबद्ध भेल छलाह ।
करीब तिस वर्षस’ उपरके समयस’ पत्रकारिताक्षेत्रमे सक्रिय रहैत आएल साह समाजसेवाके क्षेत्रमे सेहो सक्रिय रहैत अएलाह । बेगारु-सिखारुके काज कराबमे, दुखियाके दुख् दूर कराबमे अपन श्रमसाध्यस’ सहयोगी बनैत रहलाह ।
बाम राजनीतिकस’ सम्बद्ध साह पत्रकारिता बलस’ आइ बृहत्तरके अध्यक्षसन मर्यादित पदमे पदासिन होबमे सफल भेलाह ।
जनकपुरधाममे पहिल रेडियो एफएम-‘रेडियो जनकपुर’केँ संस्थापक ब्यवस्थापक सञ्चालक एवं ‘टुडे एक्सप्रेस’ ब्रोडसीट दैनिक अखवारके प्रकाशक सम्पादक समेत रहल छैथ । हिनकाव्दारा रेडियोमे प्रस्तुत कएल जाएाबाला ‘आखारा’ कार्यक्रम लोकप्रियताके उच्चशन पर बैसाबमे सोकजगर भेल छै ।
राजधानीस’ बहराएबाला साप्ताहिक पत्रिका ‘छलफल’, तेकराबाद ‘जनकपुर एक्सप्रेस’ समेतमे कार्य योगदान कए चुकल साह बहुत पैघ जिम्मेवारी बहनकारक भेलाह ।
प्रकृति हिनका अहूमे सफलता देथिन ओ शुभकामना, शुभेच्छुकसभ दरहल छैथ । अखनु माधव नेपाल नेतृत्वके नेकपा एस पार्टीस’ साह आबद्ध छैथ ।
साह नवसोंच चिन्तनसंग बृहत्तरके आओर बृहत्तर बनाबलेल अएलाह, पदभार ग्रहण करैत अपन संक्षिप्त मन्तव्य रखैत से ओ कहलाह ।
प्रतिक्रिया