सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । एतुका एकटा प्रसिद्ध सरोबर नोच्चा पोखरिकेँ पर्यटकीय विकास हेतु जिनोद्धार त’ कएलगेल । मुदा ओकर सरसफाइप्रति जागरुकता सरोकारी निकाय नइ रखलक । एम्हर किछु उत्साही स्थानीय वार्ड नं.१५के युवासभ सरसफाई प्रति जागरुकता देखौलक अइ ।
समाज सुधारक युवा नेपाली काँग्रेस नगर समिति सभापति मनोज साहके सहयोग आ समन्वयकारी भूमिकास’ जनकपुरधाम उपमहानगर पालिका वार्ड नं.१५ अन्तर्गत नोच्चा पोखरिकेँ सफाइ क’क’ सुथर बनाओल गेल छै । अइ काजमे कोनो नाम चलल अभियन्ता नइ, बरु सफाइप्रति जागरुक टीनएज( नवयुवा जमात) आगु आएल जे साकारात्मक पक्ष छै । युवासब ठाइन लए त’ रहेक परिवर्तन आन सकैए ।
जीवनके सही आनन्द प्राणी तखने लिअ सकैए जखनि ओ स्वस्थ रहत । स्वास्थ नीक निरोगी काया राखब लेल पहिल प्राथमिक काज लोकके सुथरता लेल कर’ पड़ैत छै । सुथरता मात्र तन सुथर रहने नइ होएत । मन सुथर रहक चाही । मन सुथरता लेल वातावरण परिवेस ओहन स्वच्छ चाही । जे हमसभ स्वयं कर सकैत छी ।
सुथरता लेल अपन घर-दुवार, देहरी-दरब्बजा साफ कलेब ओइस’ मात्र नइ होएत ! टोल-परोस, गाउँ-नगर, जिला-जयवार सभतर एक समान साफ-सुथ्थर रहक चाही । तखने प्राणि स्वच्छ प्राणवायु लिअ सकत । प्राण वायु आयु दैत छै । तेहन सरसफाई रहल स्थानकेँ सफा सुथर कहल जासकैए ।
सफाइप्रतिके संकल्प बोध कराक जागरुकता आनबमे युवा समाजसेवी साह अग्रसरता देखौलाह । जाहिमे रामपुर गामके युवा १६ स’ २५ वर्षधैरकेँ सार्वाधिक युवा समर्धन जनबैत सक्रिय सहभागिता लेल प्रतिबद्ध भेल एवं नोच्चा सफाइमे सहभागी छल । सहभागी युवासभकेँ संगेसंग महिला, गामक किछु भद्र जागरुक लोक सेहो युवासभकेँ उत्साह बढ़ाब लेल नोच्चा सफाई अभियानमे संग छल । अइ प्रशंसनीय काज हेतु सभ बधाइके पात्र छै । मुदा नोच्चा सफाइमे निरन्तरता रहक चाही । तखने नाम आ जश कायम रहत ।
“स्कुल अफ डेमोक्रेसी“ तथा सरसफाइ अभियानीसबके संयुक्त सहभागितामे भिन्सरमे ६.०० बजे भेल। ताहिप्रति नेकां नगर समिति सभापति मनोजकुमार साहके संयोजकत्वमे वाइ.ए.एम.एस.विशेष पहलमे सरसफाई कार्यक्रम सम्पन्न भेल । वाइ.ए.एम.एस. नेकाँ नगर समिति,स्कुल अफ डेमोक्रेसी, वार्डसमिति,१५ के वार्ड अध्यक्ष,रामपुरए.एम.एस. टिमके युबाजमात,हमर बैडमिंटन टिम तथा स्वच्छता अभियानी साथी समेतसंग सम्बद्ध साहके संयोजकत्वमे नोच्चापोखरी सफाई तथा पयर्टकियस्थलके प्रचार-प्रसारमे साथ देल प्रति सभकेँ धन्यबाद सेहो ओ व्यक्त कएलाह । दिपक ठाकुर, रिंकु साह, रामचन्द्र साह, नन्दलाल साह, सुमित साह सहित दूसय जतेक युवा जमात सफाइ काजमे खमखम करैत देखल गेल ।
प्रतिक्रिया