जनकपुरधाम । धनुषा जिला प्रशासन कार्यालय एकटा सोकजगर काज कएने छै । जाहि हेतु जिलाके प्रशासनक प्रमुख बराई आ बधाइके पात्र बनल छै ।
जिला अन्तर्गत विकास निर्माणक काज कतड केहन आ कोना भरहल छै तेकर सु्द्धि लिअबाला केओ नइ देखाइत छल । धनुषाके प्रमुख जिला अधिकारी काशीराज दाहाल एहिमे चांइख लेलाह ।
जनप्रतिनिधिस’ प्रशासनीक अधिकारीधैरके मनपर्दी खेलमे विकासी काज कागजमे अधिक फलिफाफ होए ओहिके राकब हेतु समेत टोकारि दिअबाला अधिकारी खासे पहल कारी भूमिका नइ करहल छल । जाहिस’ काजमे मनपर्दी बढ़ैत गुणस्तरीयतामे कलहा काज कए इतिश्री करब ।
विकासके नाममे अपन धन उगाहिके माध्यम बनाएब स’ जनता अपनेस’ अपनोके उपराग दैत आएल छल । मुदा सुनबैया कहबैया रखबारसभ स्वयं गैर जबावदेह बनल रहैत छल ।
ताहि प्रति कड़ा रुख अपनाबैत धनुषाक सिडियो दाहाल सम्बन्धित सभके अपन कार्यालयमे बजाक जानकारी लैत विकासके काजमे तदारुकाताक संग नैतिक दायित्व पालनके बोध करबैत सजग सचेत होब लेल निर्देशन सहित देलाह ।
भेटल जनतब अनुसार जिला भैरके स्थानीय सरकार प्रमुख एवं पालिकाके प्रशासकीय प्रमुखसभकेँ बजाक अपन अपन क्षेत्रमे भेल विकासी कार्य बारे जनतब लेलाह ।
संगेसंग नीक गुणस्तरीय काज कएल जाए पर तटस्त रहल जाए नीयम संगत काज कएल जाए अन्यथा प्रशासनी कार्यवाही करबस’ हम पाछु नइ रहब ओहो सेचेत करबैत कहलाह ।
एहितरहें समय समय पर कार्यके समिक्षा आ कार्य विवरणके जनतब लैत रहलाह पर मनपर्दी कएनिहार नेता, कर्मचारी, अधिकारी, निर्माण व्यवसायी-ठेकेदार आदि पक्ष सजग सचेत रहत । कार्यप्रति इमान्दार एवं कर्तव्य पालनप्रति बफादार रहत ।
प्रतिक्रिया