सीमाञ्चल समदिया,
जनकपुरधाम । नेपाल वार एशोसिएशन जनकपुरधामकेँ निर्वाचनमे अधिवक्ता किशोरी साह विजयी भेलाह । आइ शनिदिन भेल जनकपुरधाम वार एशोसिएशनके निर्वाचनस’ आएल मत परिनाम अनुसार निर्वाचनमे अध्यक्ष पदमे संयुक्त पेशागत प्यानलके उम्मेदवार अधिवक्ता साह विजयी भेल छैथ ।
अधिवक्ता साह संगे प्यानलकेँ मिश्रित परिणाम आएल छै । विजयी अन्यसबके घोषणा विधिवत् हुअके बांकी छै । तथापि सम्पूर्ण विजयी पधाधिकारीकेँ बधाई शुभकामना दिअकेँ काज समाजिक सञ्जालमे जारी भगेल छै । ओ जनतब बामपन्थी युवा नेता श्रीप्रसाद साह मादे भेटल !
प्रतिक्रिया