नेपाल उद्योग, ब्यवसायी महासंघ गणेश साह नेतृत्वमे पुनरगठीत

२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २१:१५
सीमाञ्चल समदिया
Simanchal.com

  • 19
    Shares
simanchal.com
PhotoBy.Nagawansh,Simanchal

 

जनकपुरधाम । तराइक्षेत्रमे प्रकृतिके माइर एहन परल छै जाहिस’ एहिबेर बुझु अकाल परल छै । पहारमे वर्षास’ बाढि़-दाहरस’ लोक हरान फिरसान होइत छै ।

 

आर्थिक मन्दीके कारण व्यापार व्यवसाय पुरापुरी चौपट भगेल छै ।  देशमे राजनीतिक घिनौना रुप लरहल छै । समान्य जनताके दिश देखबाला केओ नइ ! एहि तरहक विषय बात आइ एकटा कार्यक्रममे जोर शोरस’ उठल ।

 

कार्यक्रममे सहभागी वक्तासभ देश-मधेशमे व्यापार व्यवसाय फलत फूलत तखन लोक समृद्धि होएत देश आर्थिक रुपस’ आगा बढ़त ! एहि हेतु उद्योगी व्यापारीसभकेँ रोजगार भेटत ।

 

रोजगारके वातावरण सृजना होएत त’ बेरोजगारी दूर भागत । आर्थिक सम्पन्नता आएत । एहि लेल हमरासभ उद्योगी व्यवसायीसभ एक मञ्च पर संगठित भेल छी ।

 

धनुषा जिलाके क्षीरेवरनाथ नगरपालिकाके महेन्द्रनगरमे आइबेरियामे आयोजित स्थानीय उद्योगी-व्यवसायीसभके जमघटमे सहभागी वक्तासभ अपन धारना रखैत कहलाह ।

 

simanchal.com
Photo By-Nagawanshi. Simanchal

 

‘नेपाल उद्योग तथा व्यवसायी महासंघ’ मधेश प्रदेशके प्रथम वार्षिक अधिवेशन भेल । मङ्गलदिन भेल अधिवेशनमे सर्वसम्मतिस’ गणेश साहके सभापतित्वमे ३५ सदस्यीय नवनेतृत्व चयन कएलगेल । उद्घाटन शत्र पछाइत बन्नसत्रस’ पुनरगठित समितिमे उपाध्यक्ष सकलकिशोर पजियार, सूर्यनाथ यादवके चुनल गेल छै ।

 

तहिना सचिव पदमे रामकुमार चौधरी, उपसचिवमे चन्दनकिशोर साह, बिहारी यादवकेँ चयन कएलगेल छै । महिला उपाध्यक्ष एवं कोषाध्यक्षके चयन बादमे कएल जाएत तेहन जनतब कार्यक्रममे भेटल ।

 

simanchal.com
PhotoBy-Nagawanshi, Simanchal

 

पुनरगठित समितिके सदस्यसभमे राजकुमार महासेठ,शम्भु मुखिया, अमोद यादव, रन्जित साह, बिरेन्द्र यादव, बेदनारायण साह, जगरनाथ साह, अमृतकुमार यादव, सञ्जय पजियार, धनराज मण्डल, सरोजकुमार यादव, दिपेन्द्र साह, सन्तोषकुमार शिबहरे, धमेन्द्रकुमार गुप्ता, दुर्गा गौतम,दिलीप महतो, बिशेश्वर मण्डल, भोला साह, बैजनाथ साह, उपेन्द्र साह, कैयुम अन्सारीकँे सर्वसम्मतिस’ चयन कएलगेल छै ।

 

सञ्जय साहके सभापतित्वमे भेल अधिवेशनके उद्घाटन सत्रमे महासंघके केन्द्रिय सचिव एवं मधेश प्रदेश कमिटीके अध्यक्ष केदारबहादुर बस्नेत, विशेष अतिथि सरिता ढुंगाना, क्षीनपा प्रमुख सुखदेव यादव,अपनअपन धारना व्यक्त कएने छलाह ।

 

तहिना मिथिला नपाके पूर्वउपप्रमुख तारा लामा, उद्योग तथाव्यापार महासंघके केन्द्रिय सदस्य एवं कार्यक्रम अध्यक्ष संजय साह सहितके सहभागी प्रमुख वक्तासभ उद्घाटन सत्रमे सेहो मनतव्य व्यक्त कएने छलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया