नेपाली शीला भारतके अयोध्या हेतु पठाओल गेल

२०७९ माघ १६, सोमबार २१:५०
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com

  • 36
    Shares

जनकपुरधाम । नेपाली हिमालीक्षेत्रस’ आनलगेल महाभारी पाथर‘देव शीला’ दू राति जनकपुरधाममे रखला पछाइत आइ मीत्र देश भारत हेतु शीला लादल दूटा ट्रक प्रस्थान कएलक ।

 

बहुप्रसिद्ध तिर्थस्थल राम जन्मभूमिमे नेपाली शिला लजाओल गेल छै । जाहि शीलास’ भगवान रामके बाल्यकालक छवीचित्र कोरल जाएत । अयोध्यामे निर्माणधीन राम मन्दिरके गर्भगृहमे ई देव शीलापत्र राखल जाएत ओ जनतब जानकी मन्दिरके महन्थ रामतपेश्वर दास वैष्णब देलाह ।

 

भारत उत्तर प्रदेश राज्यके अयोध्यामे रामजन्मस्थल पर भारत सरकार भव्य विशाल मन्दिर निर्माण कए रहल छै । मिथिला नगररि जनकपुरधाम एवं अयोध्याबीच त्रेतायुगस’ सम्बन्ध छै । भगवान राम एवं माता सीताकेँ गठबन्हन बन्हाएल जकां दू देशबीचके सम्बन्ध जे रहेत आएल छै शीलास’ ओ सम्बन्ध आओर घनिष्ठ बनत । महन्थ दास सेहो तर्क देलाह ।

 

शनिराति १६ चक्काबाला दूटा ट्रकपर लदाक कालीगण्डकी नदीस’ आएल शिला विशाल पाथर जानकी मन्दिर प्राङ्गनमे सर्वसाधारण हेतु दर्शन-पुजन हेतु राखलगेल छल । सोम दिन भिन्सर जनकपुरधाम उप महानगर पालिकाके मेयर मनोजकुमार साह विशेष पुजा अर्चना करैत शीला पत्रलादल बाहनके भारत अयोध्या हेतु विदाह कएलाह ।

 

रविदिन शीला पुजन कार्यमे मधेश प्रदेशके प्रदेश प्रमुख हरिशंकर मिश्र, मुख्यमन्त्री सरोजकुमार यादव, सभामुख रामचन्द्र मण्डल, धनुषाक्षेत्र नं.३के संसद जुलीकुमारी महतो सहितके विशेष गणमान्य लोक सामेल छलैथ ।

 

भारत अयोध्यामे करीपाँचसय वर्षके विवाद अन्त भेला पछाइत राममन्दिर निर्माण काज सन् २०२०स’शुरु भेल छै । आगा २०२४ ईश्वी जनवरी महिनाधैर मन्दिर निर्माण काज पूर्ण करब ओहन नीति रहल छै ।

 

जाहि हेतु राम सीता हनुमान लक्ष्मण सहितके बालकालके प्रतिमा बनाब लेल काली गण्डकीक्षेत्र नेपालस’ दूटा विशाल शीला पठाओल गेल छै । एकटा शीला-पाथरके बजन २३ टन आ दोसरकाके १७ टन जतेक रहल छै । से जनतब जानकी मन्दिरक उत्तराधिकारी रामरोशन दास देलाह ।

 

भारतके अयोध्यामे ७० एकर भूमिमे ३६० फिट नम्हर , २३५ फिट चौड़गर एवं १६१ खड़गर देखनहुत मन्दिर निर्माण भरहल छै । मन्दिरमे पाँचटा भव्य मण्डप रहल जाहिमे बीचमे गर्भगृहमे नेपालस’ गेल देव शील-पाथरस’ निर्मित रामललाके बालरुपी प्रतिमा रहत ।

 

काँग्रेसी नेता बिमलेनद्र निधि एहि काजके अगुवाइ करैत अएलाह । शिला संग सयकड़ो वाहनसंग साधु सन्त महन्त एवं सीतारामके अनुयायीसभ सेहो प्रस्थान आइ कएलाह ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
नगरमे तिन-तिन ठाम भव्य नागपुजा
२०८० भाद्र ५, मंगलवार ००:०३
सीमाञ्चल समदिया