नेपालीभूमि खाली कराबलेल चीन बिरोधी नारा लागल

२०७७ आश्विन ६, मंगलवार १७:३७
सीमाञ्चल समदिया
नेपालीभूमि खाली कराबलेल चीन बिरोधी नारा लागल

  • 11
    Shares

सीमाञ्चल समदिया
जनकपुरधाम । प्रधानमन्त्री खड्कप्रसाद शर्मा ओली जाहि तरहें राष्ट्रियताके परिभाषित क’क’ आगा बढ़ला आब स्वयं अपने पाछा घसैक रहल छैथ । तकर उदाहरण नवनक्सा जारी कएलाके बाद ओकर प्रकाशित किताब सार्वजनिक करबस’ रोकलाह । संगे जे कनेक मनेक छापायल ताहुके बहार करब पर तत्काल रोक लगबा देला, तेहन खबर बहराएल छै ।

पाठ्यक्रम विकास केन्द्रद्वारा तयार कएलगेल ‘नेपालको भूभाग र सीमासम्बन्धी स्वाध्याय सामग्री’ नामक सन्दर्भ पुस्तककेँ वितरण एवं थप पुस्तक छपाई प्रधानमन्त्रीके निर्देशनमे शिक्षा मन्त्रालय रोक लगौलक अइ ओ जनतब मन्त्रालयस’बहराएल छै । बितल बृहस्पति दिन भेलमन्त्रिपरिषद्के बैसारमे प्रधानमन्त्री ओली पुस्तकमे किछु त्रुटि रहेल छै तहिस’ तत्काल वितरण आ आओर प्रकाशन नइ कएल जाए लेल निर्देशन देने स्वयं बजने छलाह ।

विज्ञ एवं सरोकारवाला सभकेँ लक्षित क’क’ ५ सय प्रति पुस्तक प्रकाशन कएलजाचुकल छै । पाठ्यक्रम विकास केन्द्र पुष्टि कएने छै । पुस्तकमे नेपालके कुल क्षेत्रफल १ लाख ४७ हजार ६४१.२८ वर्ग किलोमिटर उल्लेख कएलगेल छै । नाबी, कुटी, गुञ्जी सहित लिम्पियाधुरा क्षेत्र समेटबस’ पहिने नेपालके कूलक्षेत्रफल १ लाख ४७ हजार १सय८१ वर्ग किमि छल ।

दोसर दिस तराई-मधेशक्षेत्रके पश्चिम नेपालमे  बढ़ैत चीनीया बचश्र्वप्रति सड़क पर बिरोध जुलुस शुरु भेल छै । अहू पर देश हंकबैया प्रधानमन्त्री अथवा आने मन्त्री, सत्ताधारक आ प्रतिपक्षी नेतागण बकार नइ फोइर रहल छै ।

हिमाली जिला हुम्ला स्थित नाम्खा गाउँपालिका वार्ड नं.-६ लिमी गामस्थित लाप्चा नामक स्थानमे ९ टा घर चिनियाँपक्षद्वारा बना लेलगेल छै । जाहि विषय पर देशके विभिन्न स्थानमे देश भक्त नेपालीसभ बिरोध कए रहल छै । मुदा सरकार मौन सधने छै ।

नेपाली भूमिमे दोसर देशके लोक (चीन दिसके लोक) घर बना लेलक आ सरकारकेँ चुप्प रहब केहन राष्ट्रियता बनाब चाहि रहल छै ओ आम नेपाली बुझए नइ सकल छै । तैँ नेपाली भूमिमे बनाओलगेल घर आ निर्माण कएलगेल भौतिक संरचना तुरन्त हटाएल जाए ओ मांग करैत लुम्बनीमे आइ बिरोध प्रदर्शन कएलगेल ।

लुम्बिनी नागरिक समाजके अगुवाइमे भेल बिरोध प्रदर्शनमे ‘‘ नेपाली भूमि खाली कर ! खाली कर खाली कर !!, चिनिया बिस्तारवाद मुर्दाबाद ! मुर्दावाद-मुर्दावाद !! चिनके दादागीरी बन्न कर ! बन्न कर-बन्न कर !! ’’ जेहने नारा सेहो सहभागीसभ घनकौने छल । लुम्बिनीमे भेल बिरोध प्रदर्शनमे बर्तमान सरकारके कार्यशैली पर सेहो बिरोधक स्वर उठल ।

जनसेवक सरकारक टहलु प्रहरी बिरोध कार्यक्रमके रोकब लेल हस्तक्षेप समेत कएलक । मुदा प्रहरी बिफल रहल आयोजपक्ष बिरोध प्रदर्शनके कार्यक्रम पुरा करबे कएलक । जनता समाजवादी पार्टी नेपालके स्थानीय नेता एवं नेपाल भारत खुला सीमा संवाद समूहके रुपन्देही अध्यक्ष महेन्द्र गुप्ताके नेतृत्वमे चीनी बिस्तारबादीता एवं सरकारक मौनता बिरुद्ध बिरोध प्रदर्शन कएलगेल ।

https://simanchal.com/wp-content/uploads/2020/07/ads-simanchal.png
https://simanchal.com/wp-content/uploads/2022/08/bigapan-Jnk.jpg

प्रतिक्रिया

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

सम्बन्धित

दलितघटनामे षडयन्त्रपूर्वक चरित्रहत्या करब खेलःजायसवाल
२०८० भाद्र २०, बुधबार २३:२१
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
कृष्णके जीवन अनुशरणस’सब सुख-सोहन्ता पुरा होएतःमुख्यमन्त्री
२०८० भाद्र २०, बुधबार १९:४०
सीमाञ्चल समदिया
Rajeswar Nepali Program
राजेश्वर नेपाली सदैब पुजनीय बन्दनीय रहताहः सभामुख मण्डल
२०८० भाद्र २०, बुधबार १२:३८
सीमाञ्चल समदिया
नेपाली पत्रकारिताके सीखर पुरुष राजेश्वर नेपालीकेँ निधन
२०८० भाद्र ११, सोमबार २०:३४
सीमाञ्चल समदिया
Chandryan-3,simanchal.com
अन्तरिक्षके दुनियामे भारत नवअध्याय रचलक
२०८० भाद्र ६, बुधबार २१:३३
सीमाञ्चल समदिया
simanchal.com
दलीतक दशापर केन्द्रित कार्यक्रममे दलीतके अगुआ, भगुवा बनल
२०८० श्रावण ३०, मंगलवार २२:५९
सीमाञ्चल समदिया